सप्तरी जिलाके जुझारु पत्रकार श्यामसुन्दर यादवकेँ एकाएक पहिनेस’ बेसी मोन खराब भेला पर विशेष उपचार वास्ते सुनसरी जिलाके धरान लजाओल गेल छै । कर्मभूमि राजविराजकेँ बनाक पत्रकारिता, साहित्यिकक्षेत्र एवं मैथिली आन्दोलनी अभियन्ताकेँ रुपमे सेहो अपन परिचय बनौने छैथ ।
दक्ष एवम् कर्मठ पत्रकार यादव नेपाल पत्रकार महासंघ एवं मैथिली साहित्य परिषद् सप्तरी शाखाके उपाध्यक्ष, प्रेस नेपालके प्रदेश नम्बर दूके संयोजक, सेहो छैथ । पत्रकारिता धर्म निर्वाह करैत आएल यादव कत्र्तव्य निमाहब क्रममे किछु दिन पहिने ओ कोरोना पोजेटिभ भगेलाह । कोरोना पोजेटीव भेने पत्रकार यादव राजविराज स्थित आइसोलेशन सेन्टरमे छलाह ।
बचाबक उपायसभके प्रकृयासब करैत छलाह । अवस्था सामान्य छल । मुदा बृहस्पति राइतस’ स्वासप्रश्वासमे एकाएक समस्या आइब गेलै । श्वांश लीअमे दिक्कत बेसी भरहने आइ शुक्रभादव ५गते दुपहरियामे विशेष् उपाचर व्यवस्था लेल धरान लजाओल गेल जनतब हुनक सहयोगी अमरेन्द्र यादवस’ ज्ञात भेल । धरान स्थित विपी कोइराला स्वास्थ्य विज्ञान प्रतिष्ठानमे कोभिड-१९के फराके कायम कएलगेल अस्पतालमे पत्रकार यादवकेँ भरति कएलगेल छै ।
अहितरहे जनकपुरधाममे सेहो तिनदिन आगु कोभिड-१९के परिक्षणमे नेपाल पत्रकार महासंघ धनुषाकेँ सहसचिव अकूल प्रसाद साह एवं मिथिलाञ्चल एफएममे कार्यरत् राकेश साह कोरोना पोजेटिभ देखल गेलाह । इहो दूनु कारोनटाइनमे छै आ हालधैर स्वास्थ्य अवस्था समान्य रहल जनतब भेटल अइ ।
हिनक सबहक स्वास्थ्य सुधार हेतु नेपाल पत्रकार महासंघ सहितक विभिन्न दल सभ खाड़ कएने सञ्चारिक बर्गिय संगठनसभ सहित सुभेच्छुसभ सेहो स्वास्थ्य लाभक कामना कए रहल छै ।
प्रतिक्रिया