सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । देशमे कोबिड-१९ कोरोना महामारीके अवस्था जटिल बनैत जारहल छै । सर्तकता आ बचाउ एकर मात्र कारगर उपाय छै अइ बात पर नागरिक समाजके ध्यान दिअ चाही ।
हमरासभकेँ देश नेपालमे बितल २४ घण्टामे केबिड-१९ माने कोरोना महामारीके अवस्थामे संक्रमित ५८ गोटे मरल छै । देशभैरमे बितलाहा चौबिस घण्टामे ८ हजार ६ सय ५९ गोटेमे संक्रमणकेँ पुष्टि भेल छै ।
नेपाल सरकारके स्वास्थ्य तथा जनसंख्या मन्त्रालयके प्रवक्ता डा.जागेश्वर गौतम सार्वजनिक कएने तथ्यांक अनुसार पीसी आर प्रबिधिस’ आठ हजार छओसय पाँच गोटेकेँ एवं एन्टिजेन विधिस’ ५४ गोटेकेँ जाँच कएला पछाइत कोरोना संक्रमणके पुष्टि भेल छै ।
एक्कहि दिनमे एतेक संख्यामे संक्रमित थपएलास’ देश भैरमे सक्रिय संक्रमितके संख्या ६६ हजार ३ सय ५२ गोटे पुइग गेल छै ।
बचाउ आ सुरक्षा लेल सरकारके निर्देशन पालन करैत बिना काम घरस’ बाहर नइ जाइ ।
घरमे रहब तखने बेसी सुरक्षित रहब बाहर बहरएला पर कहल नइ जासकैए । अवस्था तेहने छै । सरकार हर्ता पहिनही बोइल देने छै । कोरोनाके बिकराल अवस्था देखल जारहल छै । तैस अपन सुरक्षात्मक उपाय अपने करी आ घरमे रही,सुरक्षित रही ।
प्रतिक्रिया