कोरोनाके नवका भायरस नेपालोमे पसरल,सचेत रहु

२०७८ जेष्ठ ४, मंगलवार १७:०२
सीमाञ्चल समदिया

  • 15
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । कोरोना महामारीके माइर आओर पकिया हुअबाला छै । लोक सावधानी अपनाबए आ जनस्वास्थक मापदण्डके पुरा पालन कएल जाए । तेहन सचेतनात्मक सल्लाह सहितके अपील सरकारव्दारा जारी कएलगेल छै ।

कोभिड-१९के थप नवका ‘भेरियन्ट’ पत्ता चलल छै । आब हरेक आयुके लोककेँ संक्रमीत कसकैए आ स्वास्थ परेशानी बढ़ाब सकैए । ताहिप्रति सचेता अपनाओल जाए ओ आश्ययुक्त अपिल कएलगेल छै ।

नेपाल सरकारके स्वास्थ्य तथा जनसंख्या मन्त्रालय आइ मङ्गलदिन जारी कएने अपिलमे ‘‘विश्व स्वास्थ्य संगठनके समन्वयमे देशके विभिन्न भागस’ गतहप्तामे संकलित कोभिड-१९के संक्रमित ३५ गोटेकेँ नमुना संकलन कएलगेल ।

जकर जांच पड़ताल पछाइत नवप्रकारकेँ संक्रमीत करएबाला कोरोना भायरस नेपालोमे प्रवेश कगेल पुष्टि भेल’’ तथ्य सार्वजनिक कएल  गेल छै । प्राप्त नतिजा अनुसार ९७ प्रतिशत(माने ३५ मादे ३४गोटा)मे ‘बी.१.६१७.२’ नामक नवका भेरियन्ट एवं तीन प्रतिशत(माने एकगोटे)मे ‘बी.१.६१७.१ संक्रमण करएबाला कोरोना भायरस रहल पुष्टि भेल छै ।

परिवर्तित नवका भारयस सहित बर्तमानधैर नेपालमे तीन किसीमके ‘भेरियन्ट’ रहल पुष्टि भेल छै । हाल पत्ता लागल नवका भायरस हरेक उमेरकेँ लोकके बेसी संक्रमित करत आ अखनु जोखिमपूर्ण अवस्था रहल ओ अध्ययनस’ प्रमाणित भेल छै । तैँ संक्रमण रोकबमे हमसभ सचेत होइ आ जिम्मेवार बनी ओ आग्रह कएलगेल छै ।

मन्त्रालयकेँ सहप्रवक्ता डा.समिरकुमार अधिकारीव्दारा जारी अपिलमे जनस्वास्थ्यके मापदण्डसभकेँ पालन करब-कराबलेल अपन-अपन स्तरस’ साकारात्मक आ सचेतनात्मक भूमिका सभगोटे निर्वाह करी ओ जनतब दैत सभकेँ अपिल कएल जाइत छै’’, सेहो आग्रह मन्त्रालय के अपीलपत्रमे कएल गेल छै ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
दलीतक दशापर केन्द्रित कार्यक्रममे दलीतके अगुआ, भगुवा बनल
२०८० श्रावण ३०, मंगलवार २२:५९
सीमाञ्चल समदिया