कोरोनाके कहर जारी प्रदेश-२मे १६४ संक्रमित थपाएल,४मरल धनुषाके प्रशाकीय अधिकृत सेहो चपेटामे

२०७७ भाद्र ९, मंगलवार १३:१८
सीमाञ्चल समदिया

  • 2
    Shares

सीमाञ्चल समदिया
जनकपुरधाम । भेटल जनतब अनुसार आइ मङ्गलदिन प्रदेश-२ अन्तर्गत कोरोना संक्रमति १ सय ६४ गोटे नवका थपाएल छै । जाहिमे २६ गोटे महिला छथिन । अइतरहें प्रदेश दूमे कोरोना संक्रमतिके कूल संख्या ९ हजार १सय८१ पुंगल छै । प्रदेश दूके सामाजिक विकास मन्त्रालयक अनुसार धनुषाके ३८गोटे तथा महोत्तरी जिलाके १७ गोटे कोरोना पोजेटिव रहल छै ।

तहिना सिरहा जिलामे १५, बारामे १७ ,सर्लाहीका ५०, रौतहटमे २६ एवं पर्सामे १,गोटेमे कोरोना संक्रमण पुष्टी भेल छै । बितल चौबिस घण्टामे प्रदेश २ मे २ गोटाकेँ मृत्यु भेल बताओल गेल छै । मरएबालामे महोत्तरी बलवा नगर पालकिा वार्ड नं.३ के ७२ वर्षीय पुरुष एवं सिरहा लहान नगर पालिका वार्ड नं.१२ के २२ वर्षीय एकटा युवक रहल छै । अइतरहेँ प्रदेशमे कोरोनास’ मरलसबहक कूल संख्या ६४ पुंगल छै ।

ई समाचार लीखबधैर मङ्गलदिन प्रदेश २ मे थप दुटा पुरुषके कोरोना भाइरसके संक्रमणके ओजहस’ प्राण गेल छै । बारा जिलाके महागढीमाई नगरपालिका वार्ड नं.४ निवासी ५९ वर्षीय पुरुष आ सुवणर् गाउँ पालिका वार्ड नं.४ रहनिहार ७२ वर्षीय पुरुषके मृत्यु भेल जनतब भेटल अइ ।

उपचारका क्रममे मंगलदिन भोरमे बीरगञ्ज स्थित नारायणी अस्थायी कोरोना विशेष अस्पताल गण्डकमे दुनु गाटेकेँ जान गेल छै । बाराके प्रहरी प्रवक्ता गौतम मिश्र मृतककेँ पुष्टी कएने छैथ । एहे भादव बितल ६ गते कोरोना पुष्टी भेल सुवणर् गा.पा.के पुरुषकँे भोरमे साढे ६ बजे एवं भादव ४ गते कोरोना संक्रमण पुष्टी भेलहा महागढीमाई न.पा.के पुरुषके दिनमे १० बजे मृत्यु भेल छल ।

जिला प्रशासन कार्यालय धनुषामे कार्यरत् एकगोटे प्रशासकीय अधकिृत सेहो संक्रमित रहल छैथ । संक्रमित सभकेँ जारी रीपोर्ट अनुसार ३० वर्षीय प्रशासकीय अधकिृत कोरोना संक्रमति भेल पुष्टी भेल छै । धनुषा जिलाके अधिकांश कार्यालयके कर्मचारी कोरोना संक्रमणमे पैर रहल छै । जाहिमे सार्वाधिक संख्या बैंक तथा बित्तिय संस्थामे कार्यरत लोकके छै । संक्रमति भेल प्रशासकीय अधकिृत होम आइसोलेसनमे रहल कहलगेल छै ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

Ramsish das _Bivek das
पीडि़त दासके पीड़ा बढ़ल,अपहरणकारीकेँ धनुषा प्रहरी नइ धयलक
२०८० कार्तिक २१, मंगलवार १६:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
अनेरुवा माल-जालस’ उपमहानपाकेँ अढ़ाइ लाख आम्दानी
२०८० कार्तिक २०, सोमबार २१:३०
सीमाञ्चल समदिया
मिथिलाभूमिमे मधेशवादी कम्युनिष्ट
मिथिलाभूमिमे मधेशवादी कम्युनिष्ट पार्ट्री गठन
२०८० कार्तिक २०, सोमबार १३:१४
सीमाञ्चल समदिया
Nayayik samiti Jnk
सामाजिक दायित्व पुरा करैत न्यायिक समिति
२०८० आश्विन ३०, मंगलवार १७:५४
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
सामाजिक दायित्व वोधक नेपालीप्रति काव्यात्मक श्रध्दाञ्जलि
२०८० आश्विन २१, आईतवार २०:३५
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
सुरक्षित-संरक्षित आ शुभकारी जीवनलेल अहिंसक बनु
२०८० आश्विन १६, मंगलवार २१:२०
सीमाञ्चल समदिया