कैंसररोगीके नयांजीवन हेतु नवजीवन सेन्टर सञ्चालनमे अनलक

मन्त्री सिंह बजलाहःसातोप्रदेशमे मधेशप्रदेशके स्वास्थ्य अवस्था सबस’ खराब

२०८० श्रावण ६, शनिबार १८:३३
सीमाञ्चल समदिया

  • 48
    Shares

जनकपुरधाम । जनकपुरधाममे कैंसररोगीके सुविधा हेतु एकटा अस्पताल आइस’ सञ्चालनमे आएल छै । जनकपुरधाम वार्ड नं.९ ब्रह्मपुरी स्थित नवजीवन हास्पिटल प्रा.लि.अधिनस्त एकटा फराके कैंसर सेन्टरके शनिदिनस’ सञ्चालनमे आनल गेल छै ।

 

मधेशप्रदेशके स्वास्थ्य तथा जनसंख्या मन्त्री बीरेन्द्रप्रसाद सिंह कैसर सेन्टरके उद्घाटन कएलाह । उद्घाटन भाषणमे-‘‘ देशक सातो प्रदेश मादे मधेश प्रदेशमे स्वास्थ्यके अवस्था अत्यन्त खराब छै ।

 

अपनेसभ नीजि क्षेत्रके पैघ दायित्व सेहो बनैए, एहिमे सुधार आनल जाए । प्रदेश सरकारके की करए पड़तै ओ कहल जाए, प्रदेश सरकार ओ करत’’ ! मन्त्री सिंह अपन धारना रखैत कहलाह ।

 

जनकपुरधाममे नोन-तेल बिकायबाला किरानादोकान जकाँ अस्पताल-नर्सिङ्गहोमसभ खुइज गेल छै । स्वास्थ्य संस्था खोलब मापदण्ड अनुकूल कतेक छै । कतेक स्वीकृत प्राप्त कएने आ कतेक बिना स्वीकृति लेने अस्पताल खोललगेल छै । तेकर तथ्यांक संकलन काज प्रदेश सरकार कएरहल छै । सेहो स्वास्थ्यमन्त्री सिंह बजैत क्रममे जनतब देलाह ।

 

नव जीवन हास्पिटल प्रा.लि.के अध्यक्ष एवं कैसर रोगके प्राथमिक उपचार हेतु ‘कैंसर सेन्टर स्थापनाकर्ता डा.अवधेश कुमार साहके सभापतित्वमे सेन्टरके उद्घाटन कार्यक्रम भेल । अपन धारना राखैत डा.साह जनकपुरधाममे ‘रेडिएशन’ सेन्टरके व्यवस्थापन भजाए त’ कैंसर रोगीके प्रारम्भिक उपचार मात्रे नइ सम्पूर्ण उपचार नीकस’ होब सकत । बाहर जाएके दरकार नइ पड़त ।

 

एहि हेतु ओ प्रदेश सरकारके ध्यानाकर्षण सेहो करौलाह । ततहि समाजसेवी रितेशकुमार सिंह -‘‘ सेवामुखी व्यवसायके सेवाभावि रुपमे सञ्चालन करब तखने लोकके उसास होतै । ब्यवसायमुखी बनाक चलब तखन टाका कमाएब जश नइ बटोर सकब !’ ताहि दिशामे सजग रहब हेतु सिंह अपन सम्बोधन मादे ध्यानाकष्णर् करौलाह ।

 

कैंसर सेन्टरके उद्घाटन कार्यक्रममे डा. बलराम मिश्र, डा.आर.एन. झा, डा. रामनरेश पण्डित, सेहो शुभकामना दैत सेन्टरके प्रगतिक कामना कएलाह । संगेसंग डा.महेश महासेठ, डा.रामज्ञान यादव,डा.बैद्यनाथ ठाकुर,डा. शरद यादव,अखिलेश कुमार साह सहित चिकित्यसाक्षेत्रस’ सम्बद्धसभके जमघट उद्घाटन कार्यक्रममे छल ।

 

प्रमुख अतिथि , अतिथिसभकेँ सीतारामके चित्र राखल फ्रेम प्रदान कए ‘खादा’(गमछा) ओढाक सम्मानित सेहो कएलगेल छल ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
दलीतक दशापर केन्द्रित कार्यक्रममे दलीतके अगुआ, भगुवा बनल
२०८० श्रावण ३०, मंगलवार २२:५९
सीमाञ्चल समदिया