कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री

२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com

  • 12
    Shares

राकेश भगत नागवंशी
जनकपुरधाम । ‘‘कृष्णके जीवन-चरित्रकेँ अनुशरण क’क’ चलला पर मानव जीवनमे कहियो कोनो असफलताकेँ सामना नइ करऽ पैर सकैए’’ ! मधेश प्रदेशके मुख्यमन्त्री सरोज कुमार यादव एतह बतौलाह ।

 

जनकपुरधाम उपमहानगर पालिका वार्ड नं.१९के बेङ्गा गाममे आयोजित कृष्ण जन्माष्ठमीके शोभायमान कलशयात्राके शुभारम्भ क्रममे मुख्यमन्त्री यादव आइ बुधदिन बजलाह ।

 

‘‘सनातनी समाजमे महाभारत युगक सफल नायक श्रीकृष्ण एकटा मात्र एहन पात्र छैथ जे हरेक सुख सोहन्ता पुरा करबमे सफल भेल छैथ । तै पूणर् मानवतावादी सिधान्ती पात्रके अनुशरण करब त’ मानव कल्याणक मार्ग प्रशस्त होएत ।’’ अपन धारणा राखैत मुख्यमन्त्री यादव तर्क दैत कहलाह ।

 

‘श्रीकृष्ण जन्माष्ठमी पुजा समिति’ बेंङ्गा-शिबपुर परिवारव्दारा आयोजित शोभायात्रा एवं कलशयात्राके कार्यक्रम आइ भिन्सर ११ बजे सम्पन्न भेल छल । जेकर प्रमुख अतिथि मुख्यमन्त्री यादव छलाह ।

 

ऐतिहासिक धार्मिक महत्वक स्थल शिबपुरमे रहल ‘शिबधनुष खण्डित करब गढ पर प्रदेश सरकार प्रशासनीक कार्यालय बनाओत ।

 

जतह सम्पूर्ण प्रदेश सयन्त्र अर्थात् प्रशासनीक कार्यालयसभ सञ्चालन कएल जाएत ओ उद्घोष सेहो मुख्यमन्त्री यादव कएलाह । जनकदरवारके निर्माणके काज आगु ससैर रहल बेरमे मुख्यमन्त्रीके एहन अभिव्यक्ति आएल छै ।

 

simanchal.com
मधेश प्रदेशके मुख्यमन्त्री सरोज कुमार यादवसंगमे धनुषाक्षेत्र नं.४स’ निर्वाचित नेकाँ प्रदेशसंसद शेषनारायण यादव एवं चुनावी प्रतिस्पर्धामे पछुवागेल नेकपा एमालेके सन्तोष यादव । चित्रःनागवंशी, सीमाञ्चल ।

 

जनक दरवारके नामेस’ काठमाण्डौमे रहल सिंह दरवार जकाँ जनक दरवार रहत जत’स’मधेश प्रदेशके सभ सरकारी प्रशासनीक काज एक ठामस’ होएत ओहो बात मुख्यमन्त्री यादव खुलस्त कएलाह । जाहि बातके एतुका बुद्धिजीविसभ नीक नइ मानि रहल छैथ ।

 

एक हजार एकावन नारीव्दारा कलशयात्रा पुजा स्थल बेङ्गा गामचौकस’ आरम्भ भेल । गाम घूमैत ठेरा गाम स्थित जलाइध धारस’ जल भैरक पुनः पुजनस्थल पर आनिक विधि पूर्वक कलश राखल गेल छल ।

 

कलशयात्राक आगु दूटा घोड़ा जोतल रथ पर राधा-कृष्णक स्वरुप ग्रहण कएने बाल बालिकोँ सजाक रथारोहन कराओल गेल छल । जिनका चानन लगाक, माला पहिराक प्रमुख अतिथि मुख्यमन्त्री यादव शोभायमान यात्राकेँ शुभारम्भ समेत कएलाह ।

 

कार्यक्रममे नेपाली काँग्रेस सम्बध्द क्षेत्र नं.४के प्रदेश संसद शेषनारायण यादव, एमाले सम्बध्द प्रतिस्पर्धी सांसद सन्तोष यादव, जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका वार्ड नं.१९के वर्तमान वार्डअध्यक्ष विनोद साह,पूर्ववार्ड अध्यक्ष जगदिश यादव सहित जसपा नेता कार्यकर्तासभकेँ हेंज कार्यक्रममे सामेल छल ।

 

बेङ्गामे एहिवर्ष राधा-कृष्ण, शीव, नागदेव सहितके देवी देवतासभकेँ बेस आकर्षक प्रतिमासभ निर्माण कएलगेल छै । बुध दिन बारबजे भगवान कृष्णक आाइख खुजत आ बृहस्पति दिन भव्य कृष्णाष्ठमी मेला लागत । ओ जनतब आयोजक पक्षस’ देलगेल छै ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
नगरमे तिन-तिन ठाम भव्य नागपुजा
२०८० भाद्र ५, मंगलवार ००:०३
सीमाञ्चल समदिया