कृषिके आधुनिकीकरणस’ मात्र प्रदेश समृद्धि होएतःमेयर महतो

२०७७ चैत्र २७, शुक्रबार ०८:२५
सीमाञ्चल समदिया

  • 32
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । ‘जनताके अपेक्षापूणर् होए ओहि मुताविक नीति निर्माण एवं कार्य-प्रणाली बनाक विकासी मनस्थिति बनाक चलला पर मात्र देश-प्रदेश आ स्थानीयतहकेँ समग्र विकास हुअ सकत । मिभथिला नगरपालिका ओहि अनुरुपके खाका बनाक आगु बैढ़ रहल छै ।’ मिथिला नगरपालिकानकेँ मेयर हरिनारायण महतो सातम् नगर परिषद्मे बजलाह ।

‘‘ निहित आ नीजिी स्वार्थ छोइरक, दलगत स्वार्थस’ उपर उइठक जनताके अपेक्षाकेँ केन्द्रमे राइखक आगु बढ़ला पर सोकजगर काज होएत । जनउसासी लोक कहाब लेल सेहो जनताकेँ समस्या सुनब ओकर निदानी मार्ग प्रसस्त करब आवश्यक छै । हम ओहि काज दिश सक्रिय रैहक काज करैत छी ।

मेयर महतो अपन धारना राखैत कहलाह । कृषि प्रधान हमरसभके देश नेपाल छै । मिथिला नगरपालिका कृषि प्रधानक्षेत्र सेहो छै कृषिके ब्यापारीक रुपमे बृद्धि क’क’ चलब तखनु मात्र देश समृद्ध आ जनता खुशहाल बनल रहत । अइलेल कृषिके आधुनिककिरण विकास आवश्यक  छै । परम्परागत खेती कएलास’ नइ होएत । हमसभ ओहू दिश काज कएने छी आ आओर करहल छी । मिनपा मेयर महतो अपन मनतब्य दैत उद्घाटन भाषणमे कहलाह ।

मिथिला नगर पालिकाकेँ गृष्मकालीन सातम् नगरसभामे अपन धारना राखैत मेयर महतो उल्लेखित बात कहलाह । ‘सफा,सुन्दर, समृद्ध शहर हाम्रो मिथिला नगर’ ! अइ मूल नाराकेँ संघ मिथिला नगरपालिकानक्षेत्रके पर्यटकीय विकास, औधौगिक धार्मिकक्षेत्रके विकासमे मिनपा केन्द्रित छै । ओहि लेल बहुत राश काज कएने छै आ कए रहल छै । तकर खेरहा सेहो मेयर महतो सभामे प्रस्तुत कएलाह ।

पहारे क्षेत्र पहारी समुदायके अपेक्षा मधेशी समुदाय सर-सफाई प्रति ओतेक सजग नइ देखल जाइत छै । तकर उदाहरण ओ हाइवे सड़क समेतके मेडियन पर लत्ता पसाइर देब गोरहा पाइथ देब नार-पोआर धदेब आ अपने स्वच्छ नगरकेँ घिनादेबके काज करब जेहन प्रबृतिकेँ नष्ट हमरासभकेँ कर पड़त तखनुए नगरपालिकाकेँ उल्लेखित श्लोगन सार्थक शिद्ध होएत । मेयर महतो तर्क अपन सम्बोधन मादे देलाह ।

मिनपा उपप्रमुख तरालामा बस्नेत अपन धारना राखैत नगर विकासलेल औधौगिक, पर्यटकीय विकासके संगेसंग स्वास्थ्य शिक्षाके क्षेत्रमे सेहो हमसभ बेसी काज कएरहल छी बतौलीह ।

सातम् नगर परिषद्के सफलताके शु्भकामना करैत नपा प्रवक्ता दीपकजङ्ग थापा-‘ जनताके आवश्यकता एवं समस्यासभको समाधान लेल नगरपालिका कर्मचारीकेँ रबैयामे सुधार लाएब काज सेहो हुअ चाही । कर्मचारीकेँ विचार व्यवहार नीक नइ रहत तखन जनप्रतिनिधि मादे कएल नीको काज अधलाह भजाएत । नपा कर्मचारीसभको रबैयामे सुधार होएब आवश्यक रहल तर्क सेहो प्रवक्ता थापा देलाह ।

राष्ट्रिय शिक्षक संगठनकेँ अध्यक्ष हरिप्रसाद काफ्ले नगरभितरक शैक्षिकक्षेत्रके समस्या एवं सुधारक उपाय बारेमे अपन धारना रखलाह । ततहि मिनपाके प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत रचिन्द्र डंङ्गोल जनसेवामे कर्मचारीसभ तनमनस’ लागल छै । नीतिगत एवं विकासगत काजमे सबहक एकजुटता आ सहकार्य चाही ओहन वातावरण बनाक चलैत रहब जरुरी छै । अधिकृत डङ्गोल अपन सम्बोधनमे कहलाह ।

कार्यक्रममे समाजसेवी राजाराम महतो, सहकारी संघके रामकुमार महतो, वन उपभोक्ता महासंघके सोम शर्मा, ब्यापारी नेता, वार्ड अध्यक्षसभ सेहो अपन-अपन धारना रखलाह । चित्रसभः नागवंशी/सीमाञ्चल

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
दलीतक दशापर केन्द्रित कार्यक्रममे दलीतके अगुआ, भगुवा बनल
२०८० श्रावण ३०, मंगलवार २२:५९
सीमाञ्चल समदिया