सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । बन्दाबन्दीमे ढलि भेला पछाइत कलाकारोसभ अपन कर्तव्य देखाब लेल जनमानसबीच जाए लागल छै । अहि क्रममे सप्तरी जिलाके विभिन्न गामठाममे जन सचेतना मूलक चौबटिया(सडक) नाटक प्रदर्शन कएल गेल छै ।
शम्भुनाथ नगर पालिकाके सहयोगमे एवं सेफ द नेपाल सप्तरीके आयोजनामे चौबटिया नाटक प्रदर्शन कएलगेल जनतब भेटल अइ ।
बहुक्षेत्रीय पोषण आहार सम्बन्धि विषय पर नाटक केन्द्रित छल ओ जनतब कलाकार एवं रेडियो प्रस्तोता, शिक्षिका प्रीति अधिकारी देलक अइ । शनिदिन शम्भुनाथ नपाके कठोना, अरनाहा, शम्भुनाथ बजार सहितकेँ स्थानमे नाटक सम्पन्न कएलगेल ।
शम्भुनाथ नपा अन्तर्गत बहुक्षैत्रीय पोषण कार्यक्रमस’ लाभान्वित हुअलेल प्रेरित करब जोकर नाटक छल । कुपोषणस’ बाल बालिका, गर्भबती एवं प्रसौती महिलाकेँ कोना आ कोन तरहें बचाओल जाए ओ कथाबस्तु नाटक मादे सहभागी कलाकारसभ प्रस्तुत कएने छल ।
प्रतिक्रिया