सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । भ्रष्ट्राचारके आरोप लगबैत जनकपुरधाममे ‘संघिय खानेपानी तथा ढल व्यवस्थापन विभाग’ युनिट कार्यालय जनकपुरकेँ निमित प्रमुख रोजेश्वर कुशवाहाकेँ सी.के.राउत नेतृत्वके ‘जनमत पार्टी’के कार्यकर्तासभ बैज्जत करैत नगर घुमाबके काज कएने छै ।
भेटल जनतब अनुसार प्रमुख कुशवाहाकेँ जनमत पार्टीकेँ कायकर्तासभ खानेपानीके प्रमुख पहिरने कपड़ाके चीर्रीबीर्री करैत नाङ्गट देह पहिने बना देलक । तेकराबाद हातबान्हिक सउंसे देहपर कादो पोइतक नगर घुमाबकेँ काज कएलगेल ।
जनमत पार्टीके केन्द्रिय सदस्य बी.पी.शाह खानेपानी आयोजनामे ब्यापक भ्राष्टाचार भेल कहैत जनकार्यवाही कएलगेल अभिव्यक्ति सञ्चार माध्यममे देने छैथ । तराई-मधेशके विभिन्न निकायमे व्यापक भ्रष्टाचार भेल छै ।
राज्यदिसस’ नियन्त्रण नइ भरहल छै । अनियमीतता एवं हाकिम हुकुम समेतकेँ स्वेच्छाचारी बढ़ैत जारहल छै तैँ हमरासभ बाध्य भ’क’ एहन कार्यवाही करब लेल उतरल छी ।’ सेहो तर्क शाह देने छैथ ।
भ्रष्टाचारके बिरोधमे नारा जुलुस लगबैत जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका कार्यालयमे समेत प्रदर्शन कएलगेल । टारगेटमे नगरप्रमुख लालकिशोर साह छलाह । मुदा ओ कार्यालयस’ निप्ता भेलापर मात्र नारा जुलुस लगाक हमसभ बहरा गेली,जनमत पार्टीके नेता ईन्द्रजित यादव इबात कहने छैथ ।
खानेपानी प्रमुख कुशवाहाकेँ नगर घूमबैत दुरजरु करैत पार्टी कार्यकतासभ प्रदेश-२केँ मुख्यमन्त्री लालबाबु राउत एवं मेयर साहकेँ बिरुद्धमे सेहो नाराबाजी करैत देखल गेल । ओ सभ कटाइन कटाइनके विखाइन खिाइनकेँ गाइर स्वरबध्द रुपमे दैत नगरके सड़क गरमौने छल ।
अइस’ एकटा बात इहो साबित भेल छै—‘खेतखाय गदहा आ माइर खाय जोलहा’बाला कहबी चरितार्थ भेल छै । जाहिमे संघीय खानेपानी प्रमुख कुशवाहा पैर गेलाह । जखन कि टारगेटमे मेयर साह छल आ नइ भेटला पर कुशवाहास’ओइल सधाओल गेल छै ।
पीराड़ीचौक लग रहल कार्यालयमे एतेक घटना भेला पर सुरक्षाकर्मी प्रमुख कुशवाहाकेँ जोगाब नइ सकल । जखन कि चौक पर सैदखन सुरक्षाकर्मी तैनात रहैत छै । तथापि नगर घुमाबके काज जनमत कार्यकर्ता करबमे सफल भेल । ओना भेटल जनतब अनुसार धनुषा प्रहरी एकदर्जनस’ अधिक जनमत पार्टीकेँ कार्यकर्तासभकेँ नियन्त्रणमे लेने बताओल गेल छै ।
दूरभाषमे भेल सम्पर्क आधार पर जनमतकेँ केस शाह हाकिमकेँ हमसभ पहिने बुझैने ज्ञापनकेँ सम्बन्धमे काज किएक नइ भेल ओ ध्यानाकषर्ण कराबक गेल छलीय । मुदा प्रमुख कुशवाहा हाकिमायी रोआब देखाब लागल, अभद्रा देखाब लागल । भिड़मे सहभागी भेल लोककेँ ओ बात अखरलै तैँ कादो, गोब्बर-माइट लगा देलकै । ओहिके पोछ लेल ओ अपने अङ्गा निकाइलक पोछ लगलाह आ सहभागी भिड़ गोलटीयाक सड़क पर घुमाब लागल, ओ पुःन प्रतिकृया देलाह ।
हम्मरमत
कानुनी राज्यमे कानुनकेँ पालन करैत काज करब ई सबल समाजकेँ निशानी होइत छै । भ्रष्टाचारी, दुराचारी, अत्याचारीय सही ओकरा सबूत प्रमाण सहित कानुनी उपचार खोजल जाए चाही । कानुनके घटघेरामे आरोपीके खाड़ कएलजाय चाही ।
कार्यालयमे कार्यालय प्रमुखकेँ दुरव्यहार करब एवं कानुन हातमे लेब एहन काज निन्दनीय हुअ चाही । देशमे कानुनीराज छै, कानुनके पालन हुअ चाही, लोकतान्त्रिक जग मजगुत अहिस’ हुअ सकैए ।
एना कोनो दल, गुट, समूह, भ्रष्टाचार, कदाचार, दुराचार, अत्याचारकेँ आरोप लगाक ककरो उपर हात हालाहाल करब, सार्वजनिक बैइज्जति करब एवं नाङ्गट देह बनाक नगर घुमाएब ओ काज नीन्दीय, दण्डिनीय छैहे संगेसंग समाजकेँ अराजक हुअकेँ सन्देस सेहो भेटैत छै । जे आजुक घटनास’ ओहन सन्देश छिरियाब जोकर काज भेल छै ।
सीके राउत अपने पढ़ल लीखल बुझनिक लोक छैथ । हुनक पार्टीकेँ लोकसभव्दारा एहन काज होएब नीक बात नइ मानल जासकैए ! अइस’ हुनक पक्षमे रहल जनमत खसैक सकैए, ताहिके सेहो ध्यान देल जाए चाही ।
दलीय व्यवस्थामे समाज व्यवस्थाके व्यवस्थित करब लेल दलसभकेँ अग्रसर हुअ चाही । समाजमे विभिन्न सुधारमुखी व्यवस्थाके काज लेल नीयम संगत रुपमे काज करब ओ अनिवार्यता होइत छै । उदण्डतास’ समस्या समाधान नइ आओर रुप बिकराल होइत छै । अइके बुझब जरुरी छै । ओना जनमत पार्टीकेँ अइकाजस’ लोककेँ वाहवाही बेसी भेट रहल छै ।
प्रतिक्रिया