सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । नेपाली काग्रेस पार्टीस’ सम्बद्ध धनुषा खजुरी गाम निवासी दिलिप सहगल आब अइ संसारमे नइ रहलाह । हुनक निधन नेपालके राजधानी काठमाण्डौमे मङ्गल दिन राइतमे भगेल जनतब भेटल ।
प्रसिद्ध काँग्रेसी नेता, पार्टीके महासमितीके एवं जिला समितिके पुर्वसदस्य,रैहक जनता सेवा करैत आएल छलाह । हाल पार्टीके क्षेत्रीय प्रतिनिधि रहल सहगल किछु वर्षस’ शारिरीक रुपस’ अस्वस्थ रहैत आएल छलाह । नेकाँ सम्बद्ध एवं जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका वार्ड नं.२के पूर्व वार्ड अध्यक्ष केश्व ढुङ्गेल मादे हुनक निधनके जनतब भेटल ।
दिवंगत सहगलके आत्माके चीर शान्तिके कामना करैत, परिवारजनप्रति हार्दिक सम्बेदना सेहो ढुङ्गेल व्यक्त कएलाह । करिब ७० वर्षीय सहगल किडनी फैल भगेल छलै । निरन्तर उपचार करबैत आइब रहल छलाह । से जनतब र्दैत नेकाँ जनकपुर नगर अध्यक्ष मनोज कुमार साह सेहो सम्बेदना व्यक्त करैत श्रद्धाञ्जलि व्यक्त कएलाह ।
प्रतिक्रिया