सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । काँग्रेसी एवं बामपन्थीके गढ़ मानल गेल धनुषाके क्षेत्र नं.१के सबैलामे मधेशवादी दल अप्पन पकिया पक्कर बनौलक ओ प्रष्ट देखार भरहल छै । जनता समाजवादी पार्टी शुक्रदिन विशाल सभा करहल छै । जे सभा अखनु जारी छै ।पार्टीके केन्द्रिय नेता मनिष कुमार सुमन , स्थानीय नेता दिपक कार्की मनतव्य रहलाह । पार्टी प्रवेश कार्यक्रम अन्तर्गत जसपाके एकस’ एक नेता एवं धूरन्धर कार्यकर्तासभकेँ हेंज सबैलामे जुमल छै ।
जसपाद्वारा आयोजित बृहत्त पार्टी प्रवेश कार्यक्रम लेल पार्टीके बरिष्ठ नेता एवं धनुषाक्षेत्र नं३के सांसद राजेन्द्र महतो, प्रदेश दूके मुख्यमन्त्री लालबाबु राउत, संघीय सांसद उमाशंकर अरगडि़या, प्रदेश २के भौत्तिक पूर्वाद्धारमन्त्री जितेन्द्र सोनल, वन पर्यटन मन्त्री रामनरेश राय पार्टी प्रवेशसभामे सामेल छैथ । लोक हजारक हजार संख्यामे सभास्थल पर जुमल छै । दू हजारस’ अधिक संख्यामे विभिन्न दल त्याग कए जसपामे प्रवेश कएने छै ।
तहिना अनिलकुमार झा, मनिषकुमार सुमन, उर्मिला साह, सञ्जय सिंह,राजीव झा, दिपक कार्की सहितक दर्जनो क्षेत्रीय,जिला आ स्थानीय स्तरके नेता मञ्चस्थ छैथ । जे भव्यता आ जनसहभागिता देखाइ दरहल छै ओइस’ काँग्रेस आ बामपन्थी दल नेकपाकेँ घरमे जाक सेन्ह काटब सन छै । एक-डेढ़ वर्षबाद स्थानीय सरकारके निर्वाचनके समय आबबाला छै । ताहि पर चोट करब लेल एवं आगामी दिनमे जसपाके जस लगाब जोकर जनमत ओ क्षेत्रस’ प्राप्त कलेत ओ सम्भावना अखने बुझाए लागल छै ।
प्रतिक्रिया