जनकपुरधाम । मिथिलानगरि जनकपुरधाममे रहल ‘व्याहुत सेवा समिति’ कलवार कुट्टीके आइ निर्वाचन सम्पन्न भेल छल । जेकर मत परिनाम सार्वजनिक कएलगेल छै ।
कुट्टीके दिसस’ कायम कएलगेल निर्वाचन समितिके प्रमुख जितेन्द्र प्रसाद साह देने जनतब अनुसार अध्यक्षके प्रतिस्पर्धामे श्याम प्रसाद साह निर्वाचित भेल छैथ । चुनावी प्रतिस्पर्धामे अध्यक्ष पदमे दूगोटे उतरल छलाह ।
जाहिमे श्याम ४८० मत प्राप्त क’क’ जीत हासिल कएने छैथ । अध्यक्षके प्रतिस्पर्धामे रहल स्वजातिय बन्धु शंकर साह १५४ मत मात्र प्राप्त कर सकलाह ।
शेष मत बद्दर भेल छल । कूल ९ सदस्यीय कार्य समिति चयन करब हेतु गोप्य मतदान प्रकृया अनुसार अध्यक्ष, उपाध्यक्ष, सचिव, कोषाध्यक्ष एवं चाइरटा सदस्य लेल चुनाब कएलगेल छल ।
उपाध्यक्षमे सञ्जयप्रसाद साह एवं महासचिवमे जितेन्द्रकुमार साह पहिनही निर्बिरोध भगेल छलाह । अध्यक्ष, सचिवमे दू-दू गोटे,कोषाध्यक्षमे तीनगोटे एवं कार्यसमिति सदस्यमे ७ गोटे चुनावी प्रतिस्पर्धामे उतरल छल ।
निर्वाचनमे कूल ६५८ मत खसल छल । सचिवमे शिवशंकर साह ३९८मत, कोषाध्यक्षमे बजरङ्ग प्रसाद साह ३६५मत प्राप्त कए जीतल छैथ । सचिवमे दिपककुमार साह २२९, कोषाध्यक्षमे सुजितकुमार साह २१०, राजकुमार साह४७ मत मात्र प्राप्त करमे सफल भेल ।
तिनवर्षे कार्यकालके लेल भेल निर्वाचनमे कार्यसमितिके सदस्यपदमे केदार साहु ४९८,गणेशुकमार साह ४६२, रामजी साह ३७५, राजकुमार साह ३४० मत प्राप्त क’क विजयी भेल छैथ ।
निर्वाचन प्रतिस्पर्धामे पराजित सदस्य पदमे उमेशकुमार साह दिलीप साह ३२५मत, ३२१मत,विजयकुमार साह १६० मत मात्र प्राप्त कएने छैथ । सेहो जनतब प्रमुख निर्वाचन अधिकृत जितेन्द्र प्रसाद साह जनौने छैथ ।
प्रतिक्रिया