सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । दशैं पवोत्सव लेल पूर्वी धनुषा जिलाके सबैलामे गाजाबाजा सहित आइ बांस कटान एवं ध्वजारोहन कार्य भव्य समारोहबीच कएलगेल छै । जाहिमे हजारों लोकक सहभागिता देखल गेल ।
सबैलाक्षेत्रमे हजार बरिस पहिनेस’ दुर्गापुजनोत्सव भव्य रुपस’ मनाबके परम्परा रहैत आएल छै । ओ परम्पर निमाहब काजमे बर्तमानो समयमे लोक तनमन धन सभकिछु समर्पीत करैत दुर्गा पुजा एवं मेलाके भव्यता दैत आएल छै ।
दुर्गा पुजनोत्सव काज श्री श्री १०८ श्री मां दुर्गा भवानी प्रतिष्ठानके तत्वाधानमे आनसाल जकाँ अहूबेर मेलाके भव्यता दिअके काज भेल छै । तकर प्रारुप आजुके दिनमे देखाएल ।
दशैमे बांस कटनी आ बांस गराई ध्वजारोहन हुअस’ ल’क’ सबैला बजार पर मेला एकलेखे आरम्भ भजाइत छै । तथापि सप्तमी तिथिस’ दशमीधैर मेलाके प्रमुख आकर्षण बनल रहैत छै । प्रतिष्ठानके सचिव नथुनी यादव ‘हरेराम’ जनतब देलाह ।
विभिन्न श्रोतस’ अइबेर दशैं उत्सव समापन होइते एक करोड़स’ अधिकके लागतमे दुर्गा मन्दिर आओर भव्य निर्माण होएत । जाहिके लेल रकमके जुगुतगर व्यवस्था भचुकल छै । सेहो जनतब सीमाञ्चल समदियाकेँ सचिव यादव देलाह ।
पुजा प्रतिष्ठा विधिपूर्वक करैत बांस कटाइ एवं ध्वजारोहन काज शनिदिन कएलगेल । जाहिमे हजारों नरनारीसभ सामेल छल । महिलासभ परम्परागत गीत गाइबक महरानीके गोहराबैत बांस कटाइ भेल । प्रतिष्ठानके अध्यक्ष बिरेन्द्रकुमार नायककेँ समेत सहभागिता छल ।
उक्त काज हेतु पुजेरीके मन्त्रोध्वनीसंग ध्वजा गाड़ल गेल । सचिव यादव एवं हुनक अर्ध्दाग्नी नीलम मानन्धर ध्वजा गाड़ब स्थल पर नीप पोइतक पुजन करैत ध्वाजा प्रतिष्ठापन कएलीह । ओ देखब लेल सेहो सबैला बजार पर करमान लागल लोक जुमल छल । चित्रसभःनागवंशी/सीमाञ्चल ।
प्रतिक्रिया