कमला नपामे दलीत पर दमन,साँचे ?

२०७७ भाद्र १६, मंगलवार ०२:४५
सीमाञ्चल समदिया
कमला नपामे दलीत पर दमन,साँचे ?

  • 23
    Shares

सीमाञ्चल समदिया
जनकपुरधाम
धनुषा जिलके पूर्वीक्षेत्रमे दलित समुदाय उपर जनप्रतिनिधिद्वारा दमनकारी काज कएलगेल आरोप लागल छै । मुदा आरोपित जनप्रतिनिधि घटनास’ साफ इन्कार कएलक अइ । कमला नगरपालिका वडा नं.७ के वार्ड अध्यक्ष तपेश्वर यादब दलीत समुदायक महिला पुरुषकेँ ओदवाद करैत दमनकारी काज कएने कहल गेल छै ।

मुसहर समुदायके लोक सड़क पर खाक परल अवस्थामे छल । सुकुम्बासी मुसहर परिवारके तीनगोटे पर जाक वार्ड अध्यक्ष यादव अपन लोक लगाक पीटबौलक आ अपनो पीटलक तेहन आरोप दलित पक्षधर लोक लगौने छै ।
वडाध्यक्षके पिटाइस’ स्थानीय १८ वर्षीय चन्दन सदा, हुनक माय ३५ वर्षीया सुन्दा सदा एवं ४५ वर्षीय मोतीलाल सहनी समेत घाहिल भेल छै । सहनीकेँ ठेहुन छेछागेल देखबैत ‘ भोजन खाइते काल वार्ड अध्यक्ष आ हुनका संगे ३/४ गोटे एकाएक आएल आ लात्त-मुक्कास’ कुबियाब लागल’ बतौने छै ।

अइसम्बन्धमे कमला नगर पालिकाकेँ मेयर रामउद्गार गोइतस’ सम्पर्क कएला पर ‘दारुपानी पीबक किछु बदमासी करहल जनतब मुसहरीए टोलस’ अएला पर, प्रहरी सहित वार्ड अध्यक्षकेँ पठाओल गेल । मुदा, प्रहरी देखित सभ अपने निप्ता भगेल । मारापीटीके तेहन कोनो बादे नइ भेल छै ! सीमाञ्चल समदियाकेँ बतौलाह ।

संगे कमला नपा वार्ड नं.७के अध्यक्ष तपेश्वर यादबस’ सम्पर्क कएला पर ओ बजलाह—‘‘अखनुका समय ककरो उसास करब जोकर नइ छै ! मुसहरसबके बास लेल हमही ठाउँ देने छिऐ । सब सुकुमबासी छै । किछुगोटे सड़के पर रातिक ११/१२ बजे दारु निशा करैत आ कलोल करैत गाडि़ परैत शोर-हरोर मचौने छलै । गाडि़-गड़ौवल करैत छलै । तेहन जनतब भेटला पर प्रहरीसंगे हम मुसहरी पर पुंगली । हमरासबकेँ देखिते सभ घर ठूइक गेल । हमसभ कनेक जोरस’ बजली डप्टलीऐ । बस एतबे बात छै ! फेर प्रहरीए जौडें हमहुँ मुसहरीस’ घुइर अइली ’’ ! ‘भागब क्रममे सहनीकेँ ढेहुन छिलागेल होतै । ओहो पीपा कएने रहै ! कोनो पीटपाट ककरो नइ कएलगेल छै । ई मिथ्या आरोप लगाओल गेल हय हमरा पर’, ओ बजलाह ।

अखनु दलितक नाम पर हरेक गाम ठाममे राजनेती भरहल छै । शनि राति ११ बजेके ओनपोनमे भेल घटना छै । आब तिन दिन बाद समान्य बातकेँ एकटा मुद्दा बनाबके काज कएल जारहल छै । ’’ सेहो तर्क वार्ड अध्यक्ष यादव सीमाञ्चल समदियाकेँ देलाह ।
कमला नपा अन्तर्गत कमलपुर कमला सड़ककातमे मुसहर समुदायक बास स्थान छै । ककरो लग एको बिता अपनभूमि नइ छै, सुकुमवासीसभ छै । छोट-छोट गोहिया जकाँ घर बनाक सडक कातमे रहैत आएल छै । घरक आगु सड़के पर भोजनो भात खाइत छै । एहन भूमिहीन देशक नागरिकके उचित आबासक व्यवस्था कएल जाए चाही ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

Ramsish das _Bivek das
पीडि़त दासके पीड़ा बढ़ल,अपहरणकारीकेँ धनुषा प्रहरी नइ धयलक
२०८० कार्तिक २१, मंगलवार १६:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
अनेरुवा माल-जालस’ उपमहानपाकेँ अढ़ाइ लाख आम्दानी
२०८० कार्तिक २०, सोमबार २१:३०
सीमाञ्चल समदिया
मिथिलाभूमिमे मधेशवादी कम्युनिष्ट
मिथिलाभूमिमे मधेशवादी कम्युनिष्ट पार्ट्री गठन
२०८० कार्तिक २०, सोमबार १३:१४
सीमाञ्चल समदिया
Nayayik samiti Jnk
सामाजिक दायित्व पुरा करैत न्यायिक समिति
२०८० आश्विन ३०, मंगलवार १७:५४
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
सामाजिक दायित्व वोधक नेपालीप्रति काव्यात्मक श्रध्दाञ्जलि
२०८० आश्विन २१, आईतवार २०:३५
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
सुरक्षित-संरक्षित आ शुभकारी जीवनलेल अहिंसक बनु
२०८० आश्विन १६, मंगलवार २१:२०
सीमाञ्चल समदिया