सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । धनुषा जिला पूर्वीक्षेत्रके नगर पालिकामे नव निर्वाचित परिषद सदस्यसभकेँ पद एवं गोपनीयताके सपथग्रहण कराबके काज अखनु भेल छै ।
जनकपुरधामस’ सीधा पुरुब तीस किलोमीटर जतेक दूर कमला नगर पालिका रहल छै ।
कमला नगर पालिकामे नवनिर्वाचित नगर प्रमुख विशेश्वर यादव नवनिर्वाचित कार्यपालिका सदस्यसभकेँ पद तथा गोपनीयताके सपथ ग्रहण करौलाह ।
कमला नपाकेँ प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत सुबोधकुमार ठाकुर देने जनतब अनुसार महिला,दलित एवं अल्पसंख्यक सदस्यकेँ चयन करब प्रावधान छै । तेकराबादे नगर परिषद् पूर्ण मानल जाइत छै ।
ओहि कार्यहेतु नवनिर्वाचित कार्यपालिका सदस्यसभकेँ निर्वाचन प्रकृयाव्दारा चुनलगेला पछाइत सोमदिन अखनु तीनबजे सपथग्रहण कार्यक्रम आयोजन क’क’ सभके पद तथा गोपनियताके सपथ ग्रहण कराओल गेल,ओ बतौलाह ।
प्रतिक्रिया