औरही गापाके अध्यक्षमे पत्रकार अनिल मिश्र छनौट

२०७९ बैशाख १२, सोमबार ०४:२५
सीमाञ्चल समदिया

  • 69
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । नेपाल पत्रकार महासंघ धनुषाके निवर्तमान अध्यक्ष अनिलकुमार मिश्र मेयरके उम्मेदवारीमे छनौटमे परलाह ।

धनुषा जिलाके औरही गाउँ पालिका अन्तर्गत परबाहा गाम निवासी मिश्र अपन गापाके अध्यक्ष मे प्रतिस्पर्धा करताह । ताहि लेल हुनक उम्मेदवारी पार्टी दिसस’ सुनिश्चित भेल छै ।

नेपाल पत्रकार महासंघकेँ निवर्तमान अध्यक्ष मिश्र पहिनहीस’ संलग्न रहैत आएल नेकपा माओवादी केन्द्रस’ उम्मेदवार छनौटमे परल छैथ । मिश्र नेपम केन्द्रिय समितिके विदेश विभागमे हालहि सेहो चयन भेल छैथ । आब ओ खुइलक राजनीतिक प्रतिस्पर्धामे अएताह ।

पत्रकारिताक्षेत्रमे सफल एवं पत्रकारके नेतृत्वकरबमे सेहो सफल रहल अनिल मिश्र दलीय राजनीतिकमे कतेक सफल होइत छैथ ओ देखब बांकी छै ।

माओवादी केन्द्रकेँ रविदिन जनकपुरधाम स्थित गोपाल धर्मशालामे मुनाइर साँझधैर बैसार चलल छल ।

बैसारस’ औरही गापाकेँ अध्यक्ष पद हेतु प्रतिस्पर्धा करबलेल हुनक नाम छनौट भेल छै । बैसारमे सामेल माओवादी केन्द्रके सक्रिय कार्यकर्ता बतौलाह ।

बैसारस’ धनुषाके बटेश्वर गापा अध्यक्षमे तारादेवी महतो एवं शहिद परिवारस’ एकटा वार्ड अध्यक्ष सहितकेँ उम्मेदवारी हेतु चयन कएलगेल छै ।

तहिना मिथिला नगर पालिकाके मेयर हेतु रामकुमार महतोके उम्मेदवारी सुनिश्चित कएलगेल छै ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
पञ्चतत्वमे विलीन सर्जक नेपालीके जीवन-संघर्ष बृतान्त
२०८० भाद्र १३, बुधबार ११:२०
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया