सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । जाड़-ठाढ़के दृष्टीगत करैत धनुषा जिलाके औरही गाउँ पालिकामे आवश्यक सामग्री राहत स्वरुप गाउँ पालिकाव्दारा प्रदान कएलगेल छै ।
औरही गाउँ पालिका अन्तर्गत कायम रहल आठ टा ‘आमा समूह’के सदस्यसभकेँ आवश्यक सामग्री निशुल्क रुपमे प्रदान कएलगेल जनतब सुजीत मिश्र मादे सीमाञ्चल समदियाकेँ देलगेल छै ।
गापा अध्यक्ष ब्रह्मदेव यादव समूह सदस्यसभकेँ घर-देहरी पर जाक’ बुधदिन सामान हस्तान्त्रण कएलाह ।
प्रतेक समूहके प्रतेक सदस्यकेँ एकटा बेग-कम्मर, एकटा सुपानेट मच्छरदानी(विशेष औषधिय समिक्षणबाला मच्छरदानी) एवं सरसफाई सम्बन्धि सामग्री सहितके किट प्रदान कएलगेल बुझएमे आएल अइ ।
प्रतिक्रिया