ओलती-पछुती लेबब-मुनब लेल पयराके भरौट माइट काइटक खदिहा बनबैत लोक

२०७७ कार्तिक २०, बिहीबार ०३:११
सीमाञ्चल समदिया

  • 22
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । विकास निर्माणके काज नइ भेला पर नइ भेल कहैत आरोपित करैत लोक, स्वयं विकास काजकेँ भंगठाबैत छै । तेकर उदाहरण महोत्तरी जिलाके किछु स्थानमे देखल जासकैए ।

महोत्तरी जिलाके मटिहानी नगरपालिका अन्तर्गत सड़क-बाट निर्माण कएल भरौट माइट लोक खइनक लगेल छै । मटिहानी नपाके छोटका धिरापुरस’ सिमरदही-सारी जाएबाला पयरामे एहन नजारा देखल जासकैए ।

माइटस’ भैरक बनाओल गेल पयरा कातके माइट स्थानीयसभ लगेल छै । सडककातमे भैर-भैर छाबा धैर गहिंर खदिया खुइनक माइट काइटक लजाएब काज भेल देखल गेल छै ।

दियाबाती आ छैठसन महापर्व आबलागल छै । कच्ची घर रहल लोक माइटस’ लेबाइ मुनाई करैत छै । अपन घर-दुवार, देहरी-पछुती, ओलती-देबाल माइटस’ लेबब पोतबमे पयरा कातमे भरौठ चिकनीयाह माइट काइटक खुइनक स्थानीयसभ लगेल छै । वर्षा बुन्नी अएला पर एहे सड़क-बाट पैघ खदिहामे परिणत भजाएत से निश्चित बुझल जाए । तखनु पयरा चल जोकर पयरा नइ रैह जाएत । तखनु ओहो लोकसभ कहत मेयर किछु काजे नइ कएलक । नगरपालिका नरक बना देलक, कनिक माडियो नइ भरा देलकै सड़क पर ! एहन बिडम्बना तराई-मधेशके लोकबेदमे छै ।

गामके सभ लोक एना कएने पक्के नइ होइत ! किछु लोकके एहन गल्तीस’ सड़क कटान भेल छै । जाहिके बहुसंख्यक लोक रोइक नइ पौलक । तैँ समाजिक सचेतनाके दरकार छै । तखने विकास निर्माण काज दीर्घकाल धैर ठीक-ठाक आ दुरुस्त अवस्थामे रह सकैए । जेकर सरोकार सभस’ छै, ई जनबोध सभमे हुअ चाही ।

स्मरणीय बात ई छै अखनु विकास निर्माणके बहन्ने किछु राजनीतिक दल जनजाग्रण लाबके काजमे मटिहानीयोमे लागल छै । मुदा ओ सभ सेहो सामाजिक एहन कृप्रर्थाप्रति लोककेँ जागरुक नइ करबा रहल छै । सार्वजनिक सम्पति कोना आ कोन तरहें सुरक्षित राखक चाही जाहिपर समाजक सभकेँ अधिकार छै । ओहन जनभल लेल सोकजगर प्रयास कएल जवाए चाही ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

Ramsish das _Bivek das
पीडि़त दासके पीड़ा बढ़ल,अपहरणकारीकेँ धनुषा प्रहरी नइ धयलक
२०८० कार्तिक २१, मंगलवार १६:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
अनेरुवा माल-जालस’ उपमहानपाकेँ अढ़ाइ लाख आम्दानी
२०८० कार्तिक २०, सोमबार २१:३०
सीमाञ्चल समदिया
मिथिलाभूमिमे मधेशवादी कम्युनिष्ट
मिथिलाभूमिमे मधेशवादी कम्युनिष्ट पार्ट्री गठन
२०८० कार्तिक २०, सोमबार १३:१४
सीमाञ्चल समदिया
Nayayik samiti Jnk
सामाजिक दायित्व पुरा करैत न्यायिक समिति
२०८० आश्विन ३०, मंगलवार १७:५४
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
सामाजिक दायित्व वोधक नेपालीप्रति काव्यात्मक श्रध्दाञ्जलि
२०८० आश्विन २१, आईतवार २०:३५
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
सुरक्षित-संरक्षित आ शुभकारी जीवनलेल अहिंसक बनु
२०८० आश्विन १६, मंगलवार २१:२०
सीमाञ्चल समदिया