एहिबेर चुनाब नइ लड़ाई छै, माओवादीके ई लड़ाई जीत पड़तैःप्रचण्ड

२०७८ चैत्र ८, मंगलवार १६:५१
सीमाञ्चल समदिया

  • 18
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी माओवादी केन्द्रके अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’ माओवादी हारत त’ देश हारत एवं संघीय लोकतान्त्रिक गणतन्त्रात्मक शासन प्रणली सेहो समाप्त भजाएत । एहन तर्क सहितके चेतौनी पूर्ण अभिव्यक्ति देलाह ।

मिथिला नगरि जनकपुरधाममे कार्यकर्ता प्रशिक्षणके बहाने अध्यक्ष प्रचण्ड सहभागी छलाह । मङ्गल दिन मिथिला नगरि जनकपुरधाम स्थित ऐतिहासिक तिरहुतियागाछीमे प्रदेश स्तरीय अगुवा कार्यकर्तासभके सम्बोधन करैत ओ कहला—‘‘ बिदेशी शक्तिसभ माओवादीके नश्ल समाप्त करमे लागल छै । तेहन षडयन्त्र प्रतिकृयावादी शक्ति एवं अन्तर्राष्ट्रिय शक्तिशाली समुदायसभ लागल छै ।

ताहि दुआरे आगामी निर्वाचन आन दलसभके लेल चसनाब हुअ सकैए माओवादी लेल भाड़ी लड़ाइ छै । एहि  लड़ाईके कोनो हालतमे जीतहि पड़तै अन्यथा मओवादीके अस्तित्व मेटा सकैए । ’’

एहन धारणा व्यक्त करैत अपना संगेसंग कार्यकर्ता समेतके अध्यक्ष प्रचण्ड भावुक बनौलाह । आगामी बैशाख-३० गते हुअबाला निर्वाचनमे कोनो दल समूह संगे गठबन्हन क’क’ चुनावी मैदानमे कुदब आ जीतब ओ सपना त्याग देल जाए । चुनाव जीतब ओहि लड़ाईमे डाँर-फाँर बान्हिक कुदल जाय ।

By-simanchal.com

पूर्व प्रधानमन्त्री समेत रहल माओवादी अध्यक्ष प्रचण्ड माओवादी युद्धक सर्वोच्च कमाण्डर जकाँ ललकारैत अपन कार्यकर्ताके एकटा अथक योद्धा जकाँ निर्वाचन कोना जीतब ताहि दिसामे सबगोटे लागु ओ आह्वान समेत कएलाह ।

माओवादी केन्द्रके मधेश प्रदेशके इन्चार्ज गणेश साहके अध्यक्षतामे प्रशिक्षण कार्यक्रममे पार्टीके स्थायी समिति सदस्य गिरिराजमणि पोखरेल, केन्द्रीय सदस्य नारायणकाजी श्रेष्ठ, मधेश प्रदेशके आन्तरिक मामिला तथा सञ्चारमन्त्री भरतप्रसाद साह,अगुवा नेता योग कुमार बरबरिया यादव, युवा नेता तथा शहिदनगर नपाके मेयर उदयकुमार बरबरिया, रामकुमार शर्मा, दिलिप साह सहितके हजारो माओवादी नेता-नेत्री, कार्यकर्ता सहभागी छल ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
दलीतक दशापर केन्द्रित कार्यक्रममे दलीतके अगुआ, भगुवा बनल
२०८० श्रावण ३०, मंगलवार २२:५९
सीमाञ्चल समदिया