सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । कड़ाचूर मेहन आ आत्मविश्वासस’ सफल्ता प्राप्त कएल जासकै छै । अइके सावित क’क’ देखौलाह एहसान कबारी । जनकपुर उद्योग बाणिज्य संघके अध्यक्ष ललितकुमार साह आइएकटा भेद खोलला जे सभकेँ प्रेरित करब जोकर छै ।
जनकपुरधाममे अत्याधुनिक सुविधायुक्त सर्विसिङ्ग सेन्टर आइस’ सञ्चालनमे आएल छै । जकर सञ्चालक बैदेशिक रोजगारीमे जाय लागल छल । तिनका रोकिक मोटरसाइकल स्कूटरके मरम्मत करब दोकान खोलबाओल गेल ।
साधारण मरम्मत करब दोकानस’ होइत एकटा पैघ सर्बिसिंङ्ग सेन्टर सञ्चालन कएलाह । ओकर उद्घाटन कार्यक्रममे सहभागी साह कहलाह-‘‘ एहसान बिदेश जाय लागल छल । हम अपन दोकानके बगलमे दोकान खोलबा देलिऐ । जे काज विदेशमे करैत छा, एतहि कर, अपन लुइर-बुद्धिके उपयोग कर, अपन नगरके बनाब । ओ मानलक कमालकेँ मिस्तीरी छैहे । आब आइ, अइ परोपट्टामे नइ छै तेहन सर्बिसिङ्ग सेन्टर सञ्चालन कएलाह । अपन नामे जकाँ जनकपुरो पर एहसानके एहशान होएत तेहन सर्बिसिङ्ग सेन्टर सञ्चालन कएल गेल छै,’’ जउबा संघ अध्यक्ष साह अपन शुभकामना मनतव्य राखैत बजलाह ।
स्थानीय तप्सीचौकमे बजाजके आधिकारिक सर्विसिङ्ग सेन्टर सञ्चालन कएलगेल छै । आधुनिक उपकरण सुविधा सम्मपन्न सेन्टर आ सस्तादरमे सेवा दिअलेल उत्तम व्यवस्था कएलगेल छै । सेन्टर मिथिला नगरि तथा भावि मधेशप्रदेशके राजधानी जनकपुरधाममे सञ्चालनमे एहसान अनलाह । प्रमुख अतिथि रुपमे ओम अटोके सञ्चालक संतोषकुमार साह उद्घाटन करैत कहलाह ।
नेपाल उद्योग बाणिज्य संघ प्रदेश दूके शिबशंकर साह हीरा, जउबासंघके अध्यक्ष ललित साह समेत सम्मलित भ’क’ फिता काइटक जनक अटोके सर्विसिङ्ग सेन्टरके उद्घाटन रविदिन एक समारोहबीच कएलगेल ।
कार्यक्रममे जउमहनपा वार्ड नं.७के वार्ड अध्यक्ष जानकीराम साह जनक अटोद्वारा बजाजके आधिकारिक सर्विसिङ्ग सेन्टर सञ्चालनमे ‘‘ नीक सुविधा दिअ लेल आएल छै । एकर प्रगतिके कामना करैत छी, हमरासभस’ हुअबाला हरेक सहयोग करब’’ ओ वचनबद्धता व्यक्त कएलाह । कार्यक्रममे आर्यन मोटर्सके सञ्चालक सञ्जिव साह, प्रमोद साह, मधेशवादी महिला नेत्री शबनम खातुन सहितके विशिष्ठ लोक सहभागी छल । सम्पूर्णचित्र – नागवंशी/सीमाञ्चल
प्रतिक्रिया