जनकपुरधाम । नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी एमालेके नेत्री एवं धनुषा निर्वाचनक्षेत्र नं.३स’ प्रतिनिधिसभाके उम्मेदगर उम्मेदवार जुलीकुमारी महतो मतप्राप्ति हेतु जनतासमक्ष जाएब क्रम आइ पुरा कएलीह ।
निर्वाचन आयोगके तालिका अनुसार चुनाबी प्रचार-प्रसार कार्यक्रम आगामी १ गतेधैर कसकैउ । तथापि अपनक्षेत्रमे तय सीमास’ पहिनही प्रचार प्रसार एवं जनताके घरदेहरी पर जाक मत मांग करब कार्यके इतिश्री कएलीह ।
नेत्री महतो अपन निर्वाचनक्षेत्रके मतदातासभलग जाक भेंटघांट करब आ मत मांगब श्रृंखला रविदिन पुरा कएचुकलीह । महिनादिन अगतेस’ क्षेत्रके जनतासमक्ष मतहेतु नितदिन जाएब, हुनक समस्या सुनब एवं निकासके उपाय बताएब एवं अपन दिसस’ सार्थक पहल करब काज मनोयोगस’ करैत आएल छथिन ।
आगामी अगहन-४गते होबबाला प्रतिनिधिसभा एवं प्रदेशसभो निर्वाचनलेल ओ एसगरि एकटा मात्र सक्षम महिला उम्मेदवार धनुषाक्षेत्र नं.३मे उम्मेदवार छथिन । जनताके अपार सिनेह नेत्री महतोप्रति छै । हुनकर बोलीबाणिस’ लोक प्रभावित भेल छै ।
तहिस’ जीतके बधाई अखनुतेस’ लोक दिय लागल छै । प्रचार-प्रचार कार्यक्रम अन्तर्गत जनकपुरधाम वार्ड नं.२३के लादो बेला एवं बिन्धीमे आइ अन्तिम कार्यक्रम करैत प्रचार प्रचार पर विराम लगौलीह । हुनका संगे प्रदेशसभा तीन-ख)के उम्मेदवार दिपेन्द्र ठाकुर सेहो सामेल छलाह ।
प्रतिक्रिया