एडिबीके सहयोगस’ बनल जनकपुरधामके चमकैत सड़कपर भूँर, भोंमाक, भोक्कनर

२०७७ आश्विन १९, सोमबार १०:२२
सीमाञ्चल समदिया

  • 141
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । जनकपुरधाम उपमहानगर पालिका मादे एशियाली विकास बैंकके ऋण-अनुदान आ सहयोगमे जनकपुरधामके कायापलट बाला योजना अन्तर्गत सड़क निर्माण काज भेल । सड़क-पीच निर्माण बिस्तारकेँ संगेसंग पानि निकासी लेल नाला-नालीके बिस्तार कार्य सेहो भेल । काज कतेक नीक गुणस्तरहीन भेल ओ आपरुप पोल आब खुजैत जारहल छै ।

                                                              चमकैत सड़क पर धसल धसना भेल भोंमाक

अइबेरकेँ वर्षा सटकला बादेस’ काजके गुणस्तरीयताकेँ पोल खुजैत आएल छै । उपरस’ पीच चमचमाइत देखाइत छै । जाहि भितरमे भूमिगत नाला बनाओल गेल छै । ओहो काज दुरुस्ततास’ नइ भेल । जाहि ओजहस’ ठाम ठाम पीच धैसक भूँर-भोंम, भोकन्नर भरहल छै ।
आइ सोमदिन भिन्सर जनकपुरधामके अति व्यस्तम् सड़क आ महत्वपूर्ण जग्गह पर भोंकाँर भ गेल ।

स्थानीय जनकचौक पर जानकी मन्दिर जाएबाला मोर प लोकके जाइत आबैत काले तेहन धसना जकाँ निच्चे मूँहे पीच धसल गर्र द’ आबाज उठल आ बड़का भोंकाँर सड़क पर भगेल । लोक देखतै रैह गेल । मोटरसाइकल चलाक जाइत दूगोटे सम्भावित दुर्घटनास’ जोगल प्रत्यक्ष दर्शी बतौलक ।

मेलाजकाँ लोकके जमघट नइ लागे आ गुणस्तरीय काजके भेद नइ खुजए ताहि हेतु ततकाले जेसीबीस’ पत्थर बालु खसाक भोंकाँरकेँ भैरक सरियादेल गेल । किछु महिना पहिने ओतहि अहिना भोंम भगेल छल जाहिके भैरक ठीक कएल गेल । आइ भिन्सर आठ बजेकेँ ओनपोनमे फेर भोंम आ भोंमस’ भोंकाँर भगेल छल ।

  जनकपुरधाम जनकचौक पर पक्कीसड़क धैसक भेल भोंमाक एवं फूटल भोंमके पत्थर-बालुस’ भरलाबाद… चित्रसभ़-उपेन्द्रभगत नावंशी

अइस’ पहिने एहे आश्विन बितल शुक्रदिन जनकपुरधाम वार्ड नं.४ अन्तर्गत कदमचौक पर पक्की पीच सड़ककेँ बीचोबीच माइट धैसक पताल लाइग गेल । ओतहु पीच-सडक पर पैघ भोंकांर बैन गेल । देखब लेल लोकक जमघट लाइग गेल छल । एडिबी परियोजनाके काज केहन भेल तकर पोल आपरुप खुजए लागल ।

कदमचौकस’ पहिने वार्ड नं.४ अन्तर्गत वार्ड कार्यालयके आगा चिल्ड्रेन पार्कआगा छोट भोक्कनर देखाएल छल । ओहुस’ पहिने भानुचौकस’ मीलएरिया जाएबाला बाटमे सड़क पर भोंकाँर फूटैत छल । सभकेँ भैरक पुनःदुरुस्त कएलगेल । शुक्रदिन देखलगेल भोंकारकेँ कारण जे मजमा लागल छल तहिनाही लोककेँ मजमा नइ लागे , ताहि दुवार फटाफट टीपरस’ माइट खसाक आइयो भरल कोंचल गेल ।

गुणस्तरहिन काजकेँ युक्तिसंगत तोपब प्रयास भेल । काजके गुणवक्ता पर दूवर्ष पहिने होइत आएल पीचीङ्ग, पाइप गाड़ब आदि काजकेँ समय समेत बिरोधके स्वर उठल छल । सचेत नागरिक अगुवा, बुझनीक लोक आ परिवर्तनकारी युवासभ बिरोध करैत ठाम-ठाम काज समेत रोकैत आयल छल ।

ताहि समयमे विश्वास दियाओल गेल काज सम्झौता आ इष्टिमेट अनुसार नीक-स’ नीक भरहल छै, होतै । तेकराबाद अवरोध हटाओल गेल छल । मुदा कहल अनुसार काज कतेक ठोसगर, भरोसगर भेल छै ओ सबहक आगु छै । समय-समय पर सड़क-पीच एकाएक धसैत छै ! फूटैत छै ! भूँर भोकाँर भोंकन्न होइत छै ! अहिस’ शिद्ध होइत छै काज कोन स्तरके आ केहन मजगूत भेल छै । एडिबी सहयोगस’ भेल काज जनकपुरधामकेँ काया पलट जोकर त’ भेल मुदा रोहानी घुरब सन नइ हुअ सकल आ नइ रह’ सकत ! दुखद पक्ष एहे छै ।

 

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

रौदिया अवस्थामे धान दिवस
रौदिया अवस्थामे धान दिवस
२०८० असार १६, शनिबार १०:३५
सीमाञ्चल समदिया
बीच सडक परफिल्मी शैलीमे डेंगैयां
२०७९ कार्तिक २८, सोमबार २२:४८
सीमाञ्चल समदिया
महोत्तरीके परडि़यामे तनाव यथावत् एकगोटेके हात धरस’ अलग
२०७९ कार्तिक ११, शुक्रबार ०९:३२
सीमाञ्चल समदिया
बलिप्रथा उन्मूलन पर जनकपुरधाममे बृहत् अन्तरकृया
२०७९ आश्विन १५, शनिबार १६:०४
सीमाञ्चल समदिया
Simanchal.com
मिथिला चित्रकलाको विशेषता
२०७९ भाद्र ३०, बिहीबार २३:५९
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
भूमिहीन नेपालीलेल भूमि व्यवस्थापन पर अन्तरकृया
२०७९ भाद्र ८, बुधबार १९:४२
सीमाञ्चल समदिया