सीमाञ्चल समदिया
जनकपुरधाम । प्रदेश-२ अन्तर्गत सिरहा जिलामे एक समुदायके दूपक्षबीच आपसी घमाशान भेल छै । घमाशानमे दूनुपक्षस’ डेढ़ दर्जनस’ अधिक लोक घाहिल छै । भेटल जनतब अनुसार सिरहा जिलाके भगवानपुर गाउँ पालिका वार्ड नं.२ लरहा गाममे दूपक्षबीच आपसी घमाशान भेल छै ।
शनिदिन भेल दूपक्षीय झगड़ामे १८ गोटे घाहिल भेल छै । पहिल पक्षस’ घाहिल हुअबालासभमे छविलाल यादव, श्यामसुन्दर यादव, बच्चा यादव, देवचन्द्र यादव, सन्जिव यादव,जसीलाल यादव सहितके लोक छै ।
श्यामसुन्दर यादव, देवचन्द्र यादव, जसीलाल यादव सहित ६ गोटाके स्वास्थ अवस्था गम्भिर बनल छै । गम्भिर घाहिलसभकेँ प्राथमिक उपचार लहानमे करौला बाद विशेष उपचार हेतु प्रदेश एकके राजधानी बिराटनगर लजाओल गेल छै ।
तहिना दोसरपक्षके कशोरी यादव, जोगी यादव, प्रदिप यादव, सुरज यादव, दिपक यादव, कुन्देव यादव, विरेन यादव, शिवकुमार यादव, मिथलेश यादव घाहिल भेल छै । जाहि मध्ये तीनगोटाके अवस्था गम्भिर छै । एहो तीनुगोटेके विराटनगरमे उपचार भरहल छै ।
कारोना महामारीके संकटपूणर् अवस्थामे विशेष रुपस’ प्रदेश दूमे राज्यकेँ संरक्षणमे बहुत राश घटना सभ भरहल छै । प्रदेशमे जातिय तङ्गा भड़काक राजनीतिक रोटी सेकब काज नियोजित रुपमे भरहल छै । जे अन्ततः देश आ जनताकेँ हितो अनुकूल नइ हुअ सकैए । तै सभकेँ संयममे रहब, सर्तकता अपनाएब अति आवश्यक छै ।
घटनाके राजनीतिक रङ्ग दिअकेँ काज भगेल छै । केन्द्रमे सत्ताधारी दल नेकपा एवं प्रदेश-दूके प्रभावशाली सत्ताधारी दल जनता समाजवादी पार्टीकेँ कार्यकर्ताबीच आपसी घामशान भेल छै । एहन बात सुनलगेल छै मुदा आधिकारिक पुष्टि हुअ नइ सकल । कोन बात विषय ल’क’ घमाशानी घटना भेल ओहो फरिछाएल नइ छै ।
प्रतिक्रिया