दूमिहना भितरमे मेयर साह स्टेडियम ठोकताह

२०७९ जेष्ठ १२, बिहीबार १७:५७
सीमाञ्चल समदिया

  • 57
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । जनकपुरधाम उपमहानगर पालिकाके नवनिवर्नचित वार्ड अध्यक्ष एवं सदस्यसभके पद एवं गोपनीयताके सपथ ग्रहण कराबके काज भेल छै ।

नवनिर्वाचित नगर प्रमुख मनोजकुमार साह २५ वार्ड अध्यक्ष मादे १८ वार्ड अध्यक्ष एवं उपप्रमुखके सपथग्रहण करौलाह ।

नेकपा एमालेस’ सम्बद्ध सातटा वार्ड अध्यक्ष सपथ ग्रहण कार्यक्रममे सहभागी नइ भेल छलाह । प्रमुख साहके सभापतित्वमे कार्यक्रम भेल ।

पूर्वउपप्रधान,गृहमन्त्री एवं नेपाली काँग्रेसके नेता बिमलेन्द्र निधिके प्रमुख आतिथियमे कार्यक्रम भेल ।

सभके बधाई एवं कार्यकालके शुभकामना दैत नेता निधि ‘‘पारदर्शिता, सुशासन एवं समावेशिता लोकतन्त्रके मूल मर्मकेँ पालन करैत काज कएलगेल तखन जनता लाभान्वित होएत’’ आश्य व्यक्त कएलाह । जनकपुरधामके ब्यापरिक ट्रान्जिट पोवाइन्ट बनाब पर जोर सेहो देलाह ।

जनकपुरधाम धार्मिक, पर्यटकीय,शैक्षिक, सांस्कृतिक सम्भावनास’ भड़ल नगरक्षेत्र छै । अहुके व्यापारीकरण कएल जासकै छै एवं एहि विषयके व्यापारिक हबकेरुपमे विकास कएलास’ जनकपुर लाभान्वित होब सकैए,सेहो धारना ओ रखलाह ।

अपन धारना राखैत नवनिर्वाचित नगरप्रमुख साह निर्वाचन परिणामके चर्चा करैत—‘‘हमर प्रतिपक्षी कोनो ब्यक्ति वा नेता नइ छल, हमर प्रतिपक्षी पहिल नेपाली काँग्रेस छल ! दोसरमे ओकर चिन्ह गाछी !!

तेसरमे नेकपा एमाले के सुरुज !!! हमर घण्टाघरमे आएल मतमे गाछीकेँ मत जोइर देल जाए त’ हम त’ पराजित भगेल छी ओ साफ देखाइत छै । तैँ हमरा गाछी जितौलक से ओ स्वीकार कएलाह ।

मिथिलाके पावनभूमि जनक, जानकी, गार्गी, मैत्रेयीके तपोस्थल शिक्षा केन्द्रविन्दु जनकपुरधामके शैक्षिक दुरावस्थाके हम सुधारब । शैक्षिक सुधार हेतु राजर्षि जनक विश्व विद्यालय सञ्चालनमे आइब चुकल छै ।

जे भाड़ामे छै ओहिके अपन भवन हेतु प्रयास करब । हरेक शाखा जकाँ मेला व्यवस्थापन शाखा सेहो सञ्चालन होएत । प्रतेक महिनामे एतह मेला लगैत छै । ताहिके उचित व्यवस्थापन कएला पर मात्र धार्मिक पर्यटकीय विकासमे जनकपुरधाम नवपहिचान बनाब सकत ।

युवा लक्षित कार्यक्रम अन्तर्गत युवासभके मात्र पढ़लास’ नइ हएतै । शारीरिक निरोगिता हेतु सेहो ध्यान देब पड़तै, ओहिलेल काज कएल जाएत ।

दू महिना भितर स्टेडियम निर्माण ‘ठोइक’ देबौ अर्थात् काज शुभारम्भ करबै साह प्रतिबद्धता कहलाह ।

कृषि कानुन, शैक्षिक कानुन, स्वास्थ्य कानुन विनियम नपाके अप्पन होबक चाही, ओ बनल नइ छै ओ बनाक ओहि मुताविक काज करबै ।

एकवर्ष भितरमे कृषकसबके लेल शीतभण्डरण बनाक देबै सेहो प्रतिबद्धता नगर प्रमुख साह सपथग्रहण समारोहमे ब्यक्त कएलाह ।

उपप्रमुख किशोरी साह ‘आर्थिक विकासके विना सामाजिक विकास नइ सपैर सकैए’ । ओहिके लेल धार्मिक, पर्यटकीय नगरकेरुपमे जनकपुरधामके विकास करडि़ पड़तै, जोड़ दैत कहलाह ।

नेपाली काँग्रेस हरेक परिवर्तनके सम्बाहक रहल छै । जनकपुरधामके विकासी परिवर्तनमे सेहो सच्चा वाहक रहत । ११ टा वार्ड अध्यक्ष, एकटा हम उपप्रमुख एवं काँग्रेस त्यागल मेयर सहित ३ गोटे ओहो हमरेसभके समांग सदस्य छैथ, सबमीलक एहिबेर नगरके हरेक क्षेत्रमे परिवर्तन लएबै ओ भरोस दियौलाह ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
दलीतक दशापर केन्द्रित कार्यक्रममे दलीतके अगुआ, भगुवा बनल
२०८० श्रावण ३०, मंगलवार २२:५९
सीमाञ्चल समदिया