सीमाञ्चल समदिया
जनकपुरधाम । जनकपुरधाम उप-महानगर पालिका वार्ड नं.१के वार्ड अध्यक्ष शत्रुधन साह कृषकसभकेँ सहयोग करब हेतु घोषणा कएलाह । तिनदिन आगु आएल आन्हीपानिमे तराईक्षेत्रकेँ प्रमुख अन्नबाली धान, खेतेमे नाश भगेल । कृषिपर आश्रित लोक निसोधाह भेल छै । तेहन कृषकसभकेँ अपाना स्तरस’ सहयोग करब हेतु ओ घोषणा कएलाह ।
एकलहैत बरसा एवं अन्हर-बिहाइरमे खेतमे लागल धान, अधपक्कु , पाकल, एवं कटानी क’क’ पसाहि खेतेमे रहल अवस्थामे प्रकृतिक प्रकोपस’ तहन नहस भेगेल छै । कृषकसभ ओहिस’ अत्यन्त मर्माहतमे परल छै ।
राज्यकेँ तिनुतहके सरकार देशमे रहितौ कृषकसभकेँ देखबाला अखनुधैर नइ भेल । ततै वार्ड अध्यक्ष साह आइ पत्रकार सम्मेलन मादे कृषक सभप्रति सहानुभूति राखैत अपन वार्ड अन्तर्गतकेँ कृषकसभकेँ क्षति बिबरण संकलन कए ओकर भरपाई करब हेतु अग्रसरता देखौलाह ।
वार्ड नं.१ अन्तर्गत करीब तीस पैतिस बिघा जतेक क्षेत्रफलमे धनखेती होइत छै । कृषक, स्थानीय भद्र लोक एवं विज्ञ समेतके राइखक एकटा समिति बनाक अनुगमन कएल जाएत । ओहि संकलित तथ्यांकके आधार पर वार्डके कृषकसभके प्रतिकठ्ठा एकमनके दरस’ पीडि़त कृषकसभकेँ कतरनी धान उपलब्ध कराओल जाएत से ओ घोषणा कएलाह ।
ईकाज जनकपुरधाम उपमहानगर पालिकाकेँ करक चाही । मुदा नगरप्रमुख लालकिशोर साह सुतल छैथ । जनतास’ कोनो सरोकार नइ राइख रहल छैथ । तेहनावस्थामे वार्डअध्यक्ष साह लेने संकल्पकेँ साकारात्मक पहल मानल जाए चाही । ओहुना ओ कोभिड-१९ कोरोना के कहरमे लोकककेँ अन्नपानि सहयोग कएने छलाह ।
छैठ, दियाबातीमे खगत लोककेँ नुआ बस्त्र एवं गहुम आदि सामग्री बटने छलाह । स्वच्छा सुथरता लेल अपन वार्ड अधिन घरघरमे डस्टबीन आदि सेहो बांटने छलाह । आब प्रकृति पीडि़त कृषकसभकेँ धान बांटब लेल अग्रसर भेलाह ।
हम नगर प्रमुख स’ गप्पसप्प करब, नपा बोर्ड बैसार भेल तहुमे अइ विषयके राखब नपास’ भेल त’ आओर नीक एकमने कठ्ठास’ फाजिल जतेक होएत ततेक कृषककेँ सहयोग करब ; नपा नइ कएलक तैयौ अपन टेंटस’ रकम लगाक वार्डवासी कृषकसभकेँ कठ्ठमन धान सहयोग करब ओ प्रतिबद्धता व्यक्त वार्ड अध्यक्ष साह पत्रकार सम्मेलन मादे शुक्र दिन कएलाह । चित्रसभःनागवंशी/सीमाञ्चल
प्रतिक्रिया