उतम खेती हेतु सोडेप मादे हँसपुरके बेल्हीमे शुलभ साधन उपलब्ध

२०७९ असार २३, बिहीबार ०५:३५
सीमाञ्चल समदिया

  • 69
    Shares
हँसपुर नगर पालिका अन्तर्गत बेल्हीमे निर्माण ‘पोलि हाऊस’ .

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । हँसपुर नगर पालिका अन्तर्गत ‘पोलि हाऊस’ निर्माण क’क’ आधुनिक प्रविधि मादे उत्तम खेती करब काजमे कृषकसभकेँ अग्रसर कराओल गेल छै ।

हँसपुर नपा वार्ड नं.५ के बेल्हीमे ‘बेल्ही एकिकृत ग्रामिण विकास खानेपानी तथा सिंचाई आयोजना’ के माध्यमस’ युएनडिपीके सहयोगस’ समाज विकास पथ नेपालके मादे दूटा पोलिहाऊस निर्माण कराओल गेल छै । जाहिमे बेमौसमी तरकारी उत्पादन हेतु बीयु तयार करब काज कएल जाइत छै ।

उत्पादित बीया ओहिक्षेत्रके कृषक, कृषकसभकेँ दूटा कृषक समूहके माध्यमस’ अत्यन्त न्युन शुल्कमे वितरण कएल जाइत छै । ई एकटा नीक आ उदाहरणीय काज भेल छै ।

तराईक्षेत्रमे बढ़ैत गर्मी, रौद-बसात, वर्षा आदिके कारण बिक्षन्ने बालि समय पर तयारी नइ भपाबैत छै । अगता खेतीलेल विया तयार नइ होइत, समय पर रोपाई-डोपाई नइ होएत, समय पर वीया रोपल नइ जाएत त’ खेती कोना सपरत !

तेहनमे एकटा उत्तम साधनके रुपमे पोलिहाऊस धनुषामे पहिल नमुनाके रुपमे कायम कएलगेल छै । करबि १६ महिना पहिने तीनकठ्ठा क्षेत्रफलमे दूटा पोलिहाऊस समाज विकास पथ(सोडेप नेपाल) मादे निर्माण कएलगेल । ओ जनतब स्थलगत अवलोकन भ्रमणमे गेला पर भेल ।

बेमौशमी एवं अगता खेती हेतु विक्षन्न तयारी करब, कृषकसभकेँ वितरण करब एवं पोलिहाऊसस’ लगेल विया रोपलक, ओकर उत्पादन केहन होइत छै ओहिके अनुगमन समेत कृषकसमूह मादे कएल जाइत छै ।

ओ जनतब सोडेपव्दारा कामय स्थानीय कृषकसभ सम्मलित ‘‘भैरव बाबा कृषक समूह’’के अध्यक्ष चन्देश्वर यादव सीमाञ्चल समदियाकेँ बतौलाह ।

उतम खेती हेतु सोडेप मादे छलफल, दृश्य !

तहिना राम शीला यादवके अध्यक्षतामे कायम ‘‘महिला कृषक समूह’’ सेहो उत्पादित वीयु-विक्षन्नके उपेयोग प्रयोग क’क’ लोक लाभान्वित होए ओहिलेल सोकजगर काज करैत आएल छै, जनतब भेटल ।

हँसपुरक्षत्रके कृषकसभके जीवन स्तर उठाब लेल एवं आत्मनिर्भर बनाब लेल कएल जारहल आधुनिक खेतीके उपायस’ बेसी स’ बेसी लाभ कोना लेल जाए तेकर तकनीकी विषयके जनतब सेहो देल जाइत छै ।

ओहि काज लेल पोलि हाऊस लग आओर ४ कठ्ठा ४ धूर जग्गहमे अन्य-अन्य योजना अधिन अन्य संरचना निर्माण कएलगेल छै । जाहि भवनमे कृषक पाठशाला संचालन सेहो कएलगेल छै ।

‘क्राप क्यालेण्डर’ अनुसार पाठशालामे खेती, उत्पादन वीयु रोपन-सैय्याहर व्यवस्थापनके शिक्षा समूहगत रुपमे देल जाइत छै ।

सप्ताहमे एकटा समूहके एकबेर क’क’ जममा ४ समूह कायम कएल समूहके कृषक पाठशालामे पढाओल-कृषि-खेतीबारेमे बताओल जाइत छै । से जनतब सोडेपके सत्यनारायण साह स्थलगत अवलोकनमे बतौलाह ।

पोलि हाऊस २ टाकेअतिरिक्त ओपेन हाऊस फार्मिङ्गके सेहो व्यवस्था ओतहि कएल गेल छै । जाहिमे कूल ३५ लाखके लागत लागल छै । कर्मचारी विज्ञसभके खर्च मीलाक १६ महिनामे ४८ लाख जम्मा ब्यय भेल छै ।

आब एकटा कर्मचारी ‘एग्रिकल्चर टेक्निशियन’ निरन्तर रहैत छै । जिनका रेखदेखमे कृषी जन्य वियु उत्पादन ब्यवस्थापन कएल जाहल छै ।

एकर निरन्तरता लेल स्थानीय सरकार, प्रदेश सरकार अथवा संघीय सरकारके उत्सुकता देखाबक चाही एवं लगानी सेहो ।

जाहिस’ आधुनिक प्रविधिके उपयोग मादे कृषिजन्य बस्तुके उत्पादन बृद्धि, व्यवसाय पनपैत रहैक एवं आत्मनिर्भर कृषकसभ होए । कथुके खगता नइ होइ, समृद्ध समाज व्यवस्थित समाज बनल रहैक ।

ताहिके हेतु सभस’ पहिने किछुओ नइ किछु स्थानीय सरकारके लगानी अरबैस करक चाही, फिल्ड कोडिनेशन करैत चान्दनी साह सीमाञ्चल समदियाकेँ बतौलीह ।

‘इन्भारमेन्ट एडभोकेसी प्रोग्राम फर प्रमोटिङ्ग क्लाइमेट स्मार्ट एग्रिकल्चर’ कार्यक्रमके तहद दशवर्ष लेल जग्गह भाडामे लेल गेल छै ।

अइमे बेल्ही ग्रुप अफ एनजीओ डेनमार्क, युएनडिपी मादे ओभर हेड टैक(पानीटंकी) सेहो निर्माण कएलगेल छै । जाहिस’ अखनु २७० घर परिवार शुलभ तरिकास’ शुद्ध जलके उपयोग करहल छै । स्वच्छ जल पीब रहल छै ।

सोलार सिस्टमस’ सिंचाई सुबिधा सेहो उपलब्ध छै जे प्रयोगमे आइब रहल छै । कूलमीलाक उतम खेती हेतु शुलभसाधनके उपलब्धता हेतु सोडेप मादे नीक काजके शुरुआत भेल छै । चित्रसभःनागवंशी/सीमाञ्चल

 

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
पञ्चतत्वमे विलीन सर्जक नेपालीके जीवन-संघर्ष बृतान्त
२०८० भाद्र १३, बुधबार ११:२०
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया