उजी रे उजी, चमकैत सड़क पर जमलक पानि

२०७९ जेष्ठ २८, शनिबार १०:३१
सीमाञ्चल समदिया

  • 64
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । आइदिनमे बारह एकबजेके ओनपोनमे एकझर कैसक बरसल । ओ बर्षामे नगरमे भेल बिकासी काजके पोल सेहो फेरस’ खुजल । चमकैत पीच सड़क आ भूतलमे बनल जलनिकास नालास’ जल निकासी नइ भेने सड़क पर जल जमकल रहल ।

जनकपुरधाम कार्डबोर्ड फेक्ट्रीलग कलवारी कुट्टीस’ सटले पुरुबारीकात द’क’ शान्तिनगर सरंचीयाकुट्टीदिस जाएबाला बीचबाटमे वर्षाके पानि जमकल छै । जमकल पानिमे बच्चाबुच्चीसभ सड़केके पोखरि बुइझक पानिमे उजाई-उजाई खेलब लेल उजबुझ भेल देखलगेल, जे चित्र पत्रकार सन्तोष कर्ण कैमरामे बन्न कएलाह ।

जनकपुरधामके निवर्तमान मेयर लालकिशोर साहके कार्यकालमे विकासी काज केहन भेल छै तेकर पोल आजुक झर्रीमे फेर खुजल छै । देख लेल जाए चित्रमे कनिके वर्षा भेला पर हुनक अपने निवास लगमे पानि जमकल छै ।

जाहिमे बौआ बुच्चीसभ स्नान करबमे लागल देखल जासकैए । अइ गड़बड़ीके सुधारबमे वर्तमान मेयर साहेब मनोजकुमार साह सेहो लगता ? गड़बड़ीयाह तथ्य उजागर कर्ता ?? जल निकासी हेतु सोकजगर प्रयास करता ??? की ई जड़ता ओहिना रहत ! ओ देखब बांकी छै ।

ओना नेपालीमे एकटा कहबी छै-‘‘जो जोगी आए कानै चिड़ेर गए’’ ! जनकपुरधाममे तेहने रबैया होएत आएल छै । तैँ वर्तमानो नेतृत्व कि ओहन रहत ओ अन्देशा लोकके भरहल छै ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

Ramsish das _Bivek das
पीडि़त दासके पीड़ा बढ़ल,अपहरणकारीकेँ धनुषा प्रहरी नइ धयलक
२०८० कार्तिक २१, मंगलवार १६:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
अनेरुवा माल-जालस’ उपमहानपाकेँ अढ़ाइ लाख आम्दानी
२०८० कार्तिक २०, सोमबार २१:३०
सीमाञ्चल समदिया
मिथिलाभूमिमे मधेशवादी कम्युनिष्ट
मिथिलाभूमिमे मधेशवादी कम्युनिष्ट पार्ट्री गठन
२०८० कार्तिक २०, सोमबार १३:१४
सीमाञ्चल समदिया
Nayayik samiti Jnk
सामाजिक दायित्व पुरा करैत न्यायिक समिति
२०८० आश्विन ३०, मंगलवार १७:५४
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
सामाजिक दायित्व वोधक नेपालीप्रति काव्यात्मक श्रध्दाञ्जलि
२०८० आश्विन २१, आईतवार २०:३५
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
सुरक्षित-संरक्षित आ शुभकारी जीवनलेल अहिंसक बनु
२०८० आश्विन १६, मंगलवार २१:२०
सीमाञ्चल समदिया