उखान बखान कएलास’ देश नइ चलतै, शासन पद्धति सुधाइरक जाही पड़तैैःजसपा नेता यादव

२०७७ कार्तिक २५, मंगलवार १२:४७
सीमाञ्चल समदिया

  • 6
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । देशमे बहुमतिय सरकारके गुमान करएबाला, सर्वहाराके उत्थानकर्ता कहाबबाला सरकार हरेक दृष्टिकोणस’ हरेक क्षेत्रमे पुरापुरी फेल छै । जनताके आशा भरोसाके मिसियो भर पुरा नइ कर सकल छै । तथापि गत्तरमे गराइन नइ छै,कुर्सी ओगरने छै ।जनता समाजवादी पार्टी नेपालके राष्ट्रिय अध्यक्ष मधेशवादी नेता उपेन्द्र यादव जनकपुरधाममे भेल कार्यक्रममे बजलाह ।

‘‘ उखान बखान कएलास’ देश नइ चलतै । देश चलाब लेल शासन पद्धति सुधाइरक जाही पड़तै । तखने देश समृद्ध आ जनता खुशहाल रह सकैए । जे वर्तमानो सरकार करबमे पुरापुरी असक्षम सावित भगेल छै ।’’ जसपा नेता यादव अपन सम्बोधनमे सेहो बात प्रष्ट कएलाह ।
शुभकामना आदान प्रदान एवं युवासभकेँ पार्टी प्रवेश कार्यक्रममे प्रमुख अतिथिके रुपमे नेता यादव सामेल छलाह ।

‘‘मधेशवादी, खशवादी, शोषित, उत्पीडि़त, दमित सभशक्ति एक भ’क’ लागब आवश्यक छै । अइ विषय पर जोर दैत नेता यादव जनतास’ जनताकेँ जोरबमे युवासभ बेसी काजुल हुअ सकैए । कठिन परिस्थितिके सहज बनाब सकैए । आबके परिवर्तन, संस्थागत विकास हेतु युवासभकेँ राजनीतिक सक्रियता, सहभागिता बेगैर नइ हुअ सकैए ’’ ताहि बात पर बेसी जोर नेता यादव देलाह ।

जनता समाजवादी पार्टी नेपालके युवा संघ धनुषाव्दारा मङ्गलदिन पार्टी प्रवेश कार्यक्रम एवं बृहत्सभा, आयोजन कएल गेल छल । जाहिमे शुभकामना आदान प्रदान कार्यक्रम सेहो भेल । नेता यादव प्रमुख अतिथिके रुपमे सामेल छलाह ।

खुनी संघर्ष क’ क’ आएल सेहो, बहुदलीय जनबादके गप्प छांटबाला सेहो एवं समाजवाद सुशासनके बात करएबाला दल सेहो शोषित पीडि़त अपहेलित तिरस्कृत वर्ग समुदायके उत्थानलेल आँइख मुइन लेनै छै । बस ओइ सम्बन्धमे गप्प छकरत निकास दिअके काजमे पुरा बइ मान भजाएत । आपसमे घेंट्टा जोरी कए क’ अपन अपन काज मात्र सुतारबमे ओसभ लागल छै । पूर्वउपप्रधान मन्त्री सेहो रहल जस्पा नेता यादव सेहो कटु सत्य सहभागीसभबीच रखलाह ।

कार्यक्रम जसपा युवा संघ धनुषाके अध्यक्ष दिपेन्द्रकुमार कापरीके सभापतित्वमे सम्मपन भेल । धबेन्द्र कुमार यादवव्दारा सञ्चालित कार्यक्रममे प्रदेश २के आन्तरिक मामिला तथा कानुन मन्त्री ज्ञानेन्द्रकुमार यादव, राज्यमन्त्री सरोज सिंह कुश्वाहा,कृषि तथा सहकारी राज्यमन्त्री योगेन्द्र राय, जनकपुरधाम उपमहानगर पालिकाके मेयर लालकिशोर साह, मञ्चासीन छलाह ।

तहिना  प्रदेश संसद रामआशिष यादव, चमेली देवी दास, उर्मिला साह,जसपा केन्द्रिय सदस्य उमेश साह, सुरेन्द्र मण्डल, सञ्जय चौधरी, स्थानीय वार्ड नं.७के वार्ड अध्यक्ष जानकी राम साह, सहितक नेतासभ कार्यक्रममे सामेल छलाह ।

पार्टी प्रवेश कार्यक्रममे विश्वराज मण्डल, सुधीर महतो, जीबछ साह, अनिष कर्ण, रुपेश चौधरी, विकास साह, सरोवर यादव, शिवम् यादव, मुकेश यादव, लक्ष्मणकुमार ठाकुर, सहित सयौ युवासभ जसपामे प्रवेश कएलक । चित्रसभःनागवंशी/सीमाञ्चल

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

Ramsish das _Bivek das
पीडि़त दासके पीड़ा बढ़ल,अपहरणकारीकेँ धनुषा प्रहरी नइ धयलक
२०८० कार्तिक २१, मंगलवार १६:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
अनेरुवा माल-जालस’ उपमहानपाकेँ अढ़ाइ लाख आम्दानी
२०८० कार्तिक २०, सोमबार २१:३०
सीमाञ्चल समदिया
मिथिलाभूमिमे मधेशवादी कम्युनिष्ट
मिथिलाभूमिमे मधेशवादी कम्युनिष्ट पार्ट्री गठन
२०८० कार्तिक २०, सोमबार १३:१४
सीमाञ्चल समदिया
Nayayik samiti Jnk
सामाजिक दायित्व पुरा करैत न्यायिक समिति
२०८० आश्विन ३०, मंगलवार १७:५४
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
सामाजिक दायित्व वोधक नेपालीप्रति काव्यात्मक श्रध्दाञ्जलि
२०८० आश्विन २१, आईतवार २०:३५
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
सुरक्षित-संरक्षित आ शुभकारी जीवनलेल अहिंसक बनु
२०८० आश्विन १६, मंगलवार २१:२०
सीमाञ्चल समदिया