सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । पूर्वी-उत्तरी धनुषाके गणेशमान चारनाथ नगर पालिका अन्तर्गत आगामी असोज-३गतेस’ ९ दिने ‘यार्चागुम्बा जनक कप -२०७८’ फूटबल टूर्नामेन्ट खेल हुअके सुनिश्चित भेल छै । तेकर जनतब आइ सोमदिन बेरियामे पत्रकार सम्मेलन मादे देलगेल छै ।
प्रदेश-२के खिलाडि़सभकेँ थप पहिचान, समृद्धि एवं खेलप्रेमिसभकेँ फूटबल खेलप्रति आर्षित करब ध्येय राइखक नओ दिवसीय टूर्नामेन्ट आयोजन कएलगेल छै ।
गणेशमान चारनाथ नगरपालिका अन्तर्गत वार्ड नं.६के गोदार स्थित खेलग्राउण्डमे खेल होएत । प्रतिस्पर्धात्मक फूटबल टूर्नामेन्ट खेलमे प्रदेश दुके आठो जिलास’ एकएक टीम एवं आयोजक संस्था यार्चागुम्बाके दिसस’ एकटा टीम मीलाक कूलम् ९ टीम सामेल रहत ।
मिथिला नगर पालिका नगरसदरमुकाम ढल्केवरमे आयोजित पत्रकार सम्मेलनमे अच्युत बराल बतौलाह । आयोजन संस्थाके दिसस’ कार्यक्रम संयोजनकर्ता युलन यादवके अध्यक्षतामे प्रेस सम्मेलन भेल । ओहे उदघोषण सेहो कएलाह ।
यादवके कहब अनुसार टूर्नामेन्टमे कूल ९ लाख टाका रकम ब्यय होएत । जाहिमे मूल स्पान्सर यार्चागुम्बा ६ लाख टाका एवं अन्य स्पान्सर ३ लाख टाका दए चुकल छैथ । आयोजनमे स्थानीय होटल कोमल सेहो सहयोगी भूमिकामे सामेल छैथ ओहो जनतब देलाह ।
९ दिवसीय खेलमे सामेल भेलसभ मादे प्रतिस्पर्धामे प्रथम हुअबाला टीमकेँ पुरस्कार स्वरुप ५१ हजार टाका नगद, दोसर स्थानमे विजयी टीमके २१ हजार नगद रकम आ ट्रफी-कप प्रदान कएल जाएत । एकर अतिरिक्त सहभागी सम्पूर्ण खिलाडि़सभकेँ प्रमाणपत्र, मेटल एवं कप प्रदान कए मनोबल बढाओल जाएत ।
पत्रकार सम्मेलनमे सिडिएफ गोदारके अध्यक्ष, टीमलिडर नितेश कार्की, आयोजक टीमके शैलेन्द्र यादव,गणेश मानन्धर आयोजन सहयोगी होटल कोमलके सञ्चालक जयप्रकास साह सहितक सहभागीसभ फूटबलटूर्नामेन्ट खेल आयोजनस’खेलक्षेत्रमे ढल्केवर-गोदारके थप पहिचान बनत ओ विश्वास ब्यक्त कएलाह । चित्रसभः नागवंशी/सीमाञ्चल
प्रतिक्रिया