सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । मिथिला डिर्पाटमेन्टल स्टोरमे आइग लगला पर मुझाब लेल दमकल नइ गेला पर जनकपुरधाम उपमहानगरपालिकाप्रति खेद व्यक्त करैत सम्बन्धितपक्षकेँ उचित क्षतिपूर्ति दिअके मांग कएलगेल छै । नेपाली काँग्रेस नगरकार्यसमितिके सभापति मनोजकुमार साह विज्ञप्ति मादे मांग कएलाह ।
एहे पुष बितल ९गते बृहस्पति दिन जनकपुरधाम वार्ड नं.२अन्तर्गत शिबचौकमे उल्लेखित डिर्पामेन्टल स्टोरमे भिषण आइग लाइग गेल छल । नगरपालिका कार्यालयस’ मोस्कीलस’ दूसय मीटर जतेककेँ दूरी पर आइग लागल स्थान होएत । मुदा जउपमहानपाकेँ बारुणयन्त्र आइग मुझौवा वाहन नइ पुंगल ।
स्थानीय सरकार एवं सरकार प्रमुखकेँ गैर जिम्मेवारीपूर्ण रबैया एवं कार्यशैलीप्रति नगरवासी असुरक्षित रहल ठहर नेकाँ नगर समिति कएने छै । बिधुत सट् भेलाक ओजहस’ आइग लागल कहल जारहल छै । समयमे आइग मुझाब लेल गाड़ी पुंगल रहित त’ करिब दू करोड़ जतेककेँ धनमाल डहिक छाउर भेल, ओ नइ भेल रहित ।
जउपमहानगर पालिकाकेँ बारुणयन्त्र (आइग मुझौवा गाड़ी) दमकल बहुत दिनस’ बिगरल-भंगठल थनकल छै । जाहिकेँ वर्तमान नेतृत्व ठीक नइ कराब सकलास’ एहन अवस्था आएल जनतब भेटल अइ । अइ कारण स्थानीय सरकार प्रमुख मेयर लालकिशोर साहकेँ चौतर्फी निन्दा भरहल छै ।
आइग मुझाब लेल जनकपुर विमानस्थल,क्षीरेश्वरनाथ नगरपालिका, धनुषाधाम नगरपालिकाकेँ वारुण यन्त्र पुगल । तहिना धनुषाक परोसी जिला महोत्तरीस’ बर्दिबास नपा,जलेश्वर नपाकेँ आइग मुझौवा गाड़ी सेहो आइबक आगि पर काबू पौलक आ थप बिपत्तिबाला घटना हुअस’ जोगौलक । ताहिप्रति नेकाँ नगर कार्यसमित धन्यवाद सेहो व्यक्त प्राप्त विज्ञप्ति मादे कएने छै ।
तहिना व्यापारिक प्रतिष्ठान मिडि स्टोरकेँ भेल क्षतिके मूल्याकंण क’क’ अबिलम्ब उचित क्षतिपूर्ति प्रदान कएल जाए लेल जोरदार मांग सेहो नेकाँ नगरसभापति मनोजकुमार साह हस्ते जारी विज्ञप्तिमे कएलगेल छै ।
प्रतिक्रिया