अवसर एवं प्रोत्साहन अभावमे तराईमधेशके खिलाड़ी-मेयर यादव

२०७७ आश्विन ३०, शुक्रबार १६:४३
सीमाञ्चल समदिया

  • 41
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । खेलकूदके लोकप्रियता मात्र मनोरञ्जक लेल नइ भेल छै । खेलकूदस’ मानवीयभाव प्रष्फूटन होइत छै, दुषित विचारके मनमे पनप नइ दैत छै । दैहिक निरोगिताके साधन खेलकूदकेँ बेसी मानल गेल छै । बदलैत समयक्रम अनुसार युवासभ अधिकांश कुलतमे फंसैत जारहल छै । समाज अइस’ आक्रान्त बनैत जारहल छै । तेहनमे खेलकूल सपारैत छै ।

लोककेँ भंगठैत बिगरैत अवस्थाके सुधारबो करैत छै खेलकूद । अनुशासनमे रहब आ राखबमे खेलकूद सेहो परम सहयोगी होइत छै । ताहि दुवारे खेलकूदके जीवनक अङ्ग मानल जाइत छै । अइ बातके आत्मसाथ करैत लोहारपट्टी नगरपालिकाद्वारा क्रिकेट खेलके आयोजन कएलगेल छै ।

खेलप्रेमीसभकेँ आकर्षणके केन्द्रमे संसारभर पहिल पाँतीमे पसरल क्रिकेट खेल आबैत छै । ओहि क्रिकेट खेलके विधिवत् आइ शुक्रदिन लोहारपट्टी नगरपालिकाके नगरप्रमुख शैलेन्द्रकुमार यादव उद्घाटन कएलाह । लोनपा वार्ड नं.२ अन्तर्गतमे ःएमपीएल क्रिकेट टूर्ना मेन्टके नामस’ सञ्चालन कएलगेल खेलके उद्घाटन मेयर यादव कएलाह । बैटिङ्ग करैत पहिलके बेरमे चौका माइरक मेयर यादव खिलाडि़यो सभकेँ चौंका देलाह ।

तराई-मधेशक्षेत्रमे एकस’एक खेलक्षेत्रमे सेहो प्रतिभा सम्मपन्न लोक छै , मात्र अवसर आ प्रोत्साहनके अभाव छै । ओहन ओझलमे रहल प्रतिभाशाली खिलाड़ीसभकेँ समावेस कएला जाए, राष्ट्रियस्तरधैरमे सहभागी कराओल जाए, ओ बात मेयर यादव उद्घाटन करैत कहलाह ।
अपन संक्षिप्त सम्बोधनमे अन्तर राष्ट्रिय स्तरपर खिलाड़ी तयार कएल जाए ओइलेल एकटा व्यवस्थित रङ्गशाला अइक्षेत्रमे हुअ चाही, ओहु विषय पर जोर देलाह ।

उचित प्रशिक्षण्के व्यवस्था कएल जाए चाही । केन्द्र सरकार नहियो करे त’ प्रदेश सरकारकेँ अइमे लगानी करब आवश्यक छै । तखने प्रतिभासब निखरगर,देखरगर होएत । अन्यथा समयस’ पहिने मुरझा जाएत । प्रोत्साहनके अभावमे , अवसरके ताकमे रस्ता तकैत रैह जएतै । एहन दुबिधा हटाओल जाए चाही आ अइमे हुअबाला सहयोग लेल लोहारपट्टी नगरपालिका अपन सामर्थ अनुसार सहयोग करत ओहो वचनबद्धता मेयर यादव उद्घाटनमे कएलाह ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

Maithili Kalakar
राज्यसिनेहस’ उपेक्षित मैथिली सिनेकलाकारसभ सम्मानित
२०८० असार ३१, आईतवार ११:३४
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
पाँचसय वर्ष पुराण मिथिला परिक्रमा-यात्रा मटिहानी पुंगल
२०७९ फाल्गुन ११, बिहीबार २०:१९
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
साहित्यकारसभाके वार्षिक उत्सवमे विभिन्न श्रष्टा सम्मानित
२०७९ माघ ७, शनिबार २२:०४
सीमाञ्चल समदिया
भूत आ कालके भगाबबाला लोकोत्सव एवं चन्द्रग्रहण आइ
२०७९ कार्तिक २२, मंगलवार १२:०२
सीमाञ्चल समदिया
विद्यापति पुरस्कार कोष पाँचस्रष्टाकेँ लाखो रकमस’ पुरस्कृत करत
२०७९ कार्तिक २०, आईतवार १६:१२
सीमाञ्चल समदिया