अर्थमन्त्री खतिबडा आब प्रम ओलीकेँ अर्थ सल्लाहकार

२०७७ भाद्र १९, शुक्रबार ०९:४०
सीमाञ्चल समदिया

  • 24
    Shares

सीमाञ्चल समदिया
           जनकपुरधाम  । केपी शर्मा ओली नेतृत्वके वर्तमान नेकपाके सरकारमे अर्थमन्त्री रहल युवराज खतिवडा पद त्याग करब निणर्य पर पुंगल छै । शुक्रदिन भेल केन्द्रिय मन्त्रिपरिषद्के बैसारमे ओ अपन पद त्याग करब घोषणा कएलाह ।

बिनु चुनाव जितनही प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओलीकेँ दयामाया पर मन्त्री बनल खतिवडा आइए शुक्र दिन सांझधैर त्यागपत्र देताह । तेहन बात बहार भेल छै । अर्थ तथा सूचना तथा सञ्चार प्रबिधि मन्त्रालय समेतकेँ काज सम्हारने छलाह ।

मन्त्री खतिवडाके एहे भादब २० गतेमे कार्यकाल समाप्त भरहल छै । तैँ ओ पद त्यागब लेल बाध्य छैथ । राष्ट्रपतिद्वारा सोझे मनोनीत भ’क’ राष्ट्रियसभामे सन्हिएला बाद खतिवडाके दुवर्षे कार्यकाल लेल मन्त्री बनाओल गेल छल ।

हुनक दूवर्षे समय अवधि गत फागुुनम पुरा भगेल छल । तथापि संवैधानिक व्यवस्था शासककेँ पद्धति अनुसार रहने संसद सदस्य नहियो रहल व्यक्ति ६ महिना मन्त्री बनल रह’सकैए । तैँ ओ आधावरिस बेसी समयधैर पदासिन रहलाह ।

सरकारस’ हटा बादो ओ सरकार प्रमुखके विश्वास पात्र रहने सरकारके लगमे रहबे करताह । खतिवडाकेँ प्रधानमन्त्री ओलीकेँ अर्थ सल्लाहकारमे नियुक्त कएल जाएके सम्भावना प्रबल रहल सेहो बात आब अधिक चर्चामे छै ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

Ramsish das _Bivek das
पीडि़त दासके पीड़ा बढ़ल,अपहरणकारीकेँ धनुषा प्रहरी नइ धयलक
२०८० कार्तिक २१, मंगलवार १६:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
अनेरुवा माल-जालस’ उपमहानपाकेँ अढ़ाइ लाख आम्दानी
२०८० कार्तिक २०, सोमबार २१:३०
सीमाञ्चल समदिया
मिथिलाभूमिमे मधेशवादी कम्युनिष्ट
मिथिलाभूमिमे मधेशवादी कम्युनिष्ट पार्ट्री गठन
२०८० कार्तिक २०, सोमबार १३:१४
सीमाञ्चल समदिया
Nayayik samiti Jnk
सामाजिक दायित्व पुरा करैत न्यायिक समिति
२०८० आश्विन ३०, मंगलवार १७:५४
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
सामाजिक दायित्व वोधक नेपालीप्रति काव्यात्मक श्रध्दाञ्जलि
२०८० आश्विन २१, आईतवार २०:३५
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
सुरक्षित-संरक्षित आ शुभकारी जीवनलेल अहिंसक बनु
२०८० आश्विन १६, मंगलवार २१:२०
सीमाञ्चल समदिया