अराइ कएने दराइर मात्र फाटत, जाहिस’ कोनो पक्षके भल हुअ बाला नइ छैः नेता महासेठ

२०७७ कार्तिक २६, बुधबार ०४:०२
सीमाञ्चल समदिया

  • 2
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । धनुषा जिलाके मिथिला बिहारी नगरपालिकामे मेयर कप फूटबल खेलके उद्घाटन एवं जनक नन्दनी गाउँ पालिकामे नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (नेकपा)द्वारा शुभकामना आदान-प्रदानके कार्यक्रम भेल छै ।

मिथिला बिहारी नपाके वार्ड नं.४ रमौल गाममे आयोजित मेयर कप फूटबल खेल नेकपा नेता पूर्व मन्त्री रघुबीर महासेठके प्रमुख आतिथ्यमे भेल जतब देलगेल छै । ‘‘ वर्तमान सरकार खेलक्षेत्रके विकास एवं खिलाडि़सभके बृति व्यवस्थापन लेल हरेक तरह सहयोग लेल तत्पर छै । मात्र युवासभकेँ सक्रियता आ लग्नशिलता चाही । नवकिछु करब ओ हुलसा चाही । तखने देल जाएबाला रकम-बजेट सोकजगर हुअ सकत’’ नेता महासेठ मनत व्यक्त क्रममे कहलाह ।
मिथिला बिहारी नगर पालिकाके मेयर अनिलकुमार यादवके अध्यक्षतामे प्रतिस्पधात्मक फूटबल खेल शुरु भेल छै । फूटबलकेँ किक माइरक उड़ाबैत खेलके उद्घाटन कएलाह । अहि तरहें नेकपा जनकनन्दनी गाउँ पालिकाद्वारा खजुरी चन्हामे शुभकामना अदान-प्रदान तथा चाह-पान ग्रहण करब आ आपसी एकता सामजस्यता बढ़ाएब जेहन काज करब कार्य सेहो भेल ।

एतहके कार्यक्रममे सम्बोधन करैत नेता महासेठ ‘‘ देश विकासके मूल एजेन्टा ल’ सरकार आगु बैढ़ रहल छै । ककरो दुबिधा उत्पन्न कएने विकासके गति रुकबाला नइ छै । विकास होतौ तखने देश समृद्ध होएत । देश समृद्ध होएत तखने जनतामे खुशीयाली आओत !’’ सेहो धारना राखैत नेकपा भितरके आन्तरिक रगरा दिश संकेत करैत ‘‘सबहक सहयोग आ सहकार्यस’ दल चलैत छै । नेतृत्वमे जे रहल होए हमसभ कार्यकर्ता अपना अपना स्तरस’ सहयोगी बनब तखन हमहुँ सभ सफल होएब ।

अराइ कएने दराइर मात्र फाटत जाहिस’ कोनो पक्षके भल हुअ बाला नइ छै । नेता महासेठ सेहो बात खुलस्त रुपमे कहलाह । समग्र जनता के  खुशीयाली स’ मात्र समृद्धि आएल मानल जाएत ।  अइ दिश वर्तमान सरकार अनेक व्यवधानके झेलैत अपन जनहितकारी काज करैत आगु बैढ़ रहल छै । सेहो तर्क नेता महासेठ देलाह ।

उल्लेखित कार्यक्रमसभमे नेता महासेठके अतिरिक्त नेकपा केन्द्रिय तथा धनुषा जिला इन्चार्ज श्रवन बरबरिया,प्रदेश सभा सदस्य रामचन्द्र मण्डल बिशिष्ट अतिथि रुपमे सामेल छलाह ।

तहिना पार्टीके केन्द्रियसदस्य एवं मिथिला नगर पालिकाके मेयर हरिनारायण महतो, जिबिस धनुषाके पूर्वसभापति रामचरित्र साह, बिदेह नपाके मेयर बेचन दास , मि.बि.नपाके उप-प्रमुख अनिता साह,प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत बिरेन्द्रलाल कर्ण, सिवभिन्न वार्डके वार्ड अध्यक्ष प्रदेश कमिटी सदस्य मनोज खडका,जिला सदस्य संजिब यादव, फुटबल संघके धनुषा जिला अध्यक्ष शुरेश शर्मा सहितके नेता कार्यकता सभके विशेष जमघट छल ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

Ramsish das _Bivek das
पीडि़त दासके पीड़ा बढ़ल,अपहरणकारीकेँ धनुषा प्रहरी नइ धयलक
२०८० कार्तिक २१, मंगलवार १६:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
अनेरुवा माल-जालस’ उपमहानपाकेँ अढ़ाइ लाख आम्दानी
२०८० कार्तिक २०, सोमबार २१:३०
सीमाञ्चल समदिया
मिथिलाभूमिमे मधेशवादी कम्युनिष्ट
मिथिलाभूमिमे मधेशवादी कम्युनिष्ट पार्ट्री गठन
२०८० कार्तिक २०, सोमबार १३:१४
सीमाञ्चल समदिया
Nayayik samiti Jnk
सामाजिक दायित्व पुरा करैत न्यायिक समिति
२०८० आश्विन ३०, मंगलवार १७:५४
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
सामाजिक दायित्व वोधक नेपालीप्रति काव्यात्मक श्रध्दाञ्जलि
२०८० आश्विन २१, आईतवार २०:३५
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
सुरक्षित-संरक्षित आ शुभकारी जीवनलेल अहिंसक बनु
२०८० आश्विन १६, मंगलवार २१:२०
सीमाञ्चल समदिया