अमर शहिद झाके शालिक खाड़ करब हेतु स्मारक निर्माण शुरु

२०७९ माघ १५, आईतवार २२:१४
सीमाञ्चल समदिया

  • 409
    Shares
Photo By-Nagawanshi

जनकपुरधाम । प्रेस स्वतन्त्रता सेनानी बरिष्ठ पत्रकार, साहित्कार राजेश्वर नेपालीके सपना आब पुरा होब लागल छै । ओ अपने अस्पतालके शैय्या पर परल छैथ । अपन स्वास्थ्यस’ बेसी आइ बलिदानी दिवस छै ओहिके सुरता हुनका छलैथे ।

 

अमर शहिद दुर्गानन्द झाके शालीक स्थापनाकालेल हुनक पुत्र आइ वित्रि विधिानसंग स्मारक निर्माण हेतु शीलान्यास कएलाह । जाहिस’ नेपाली जी बेस हर्षित भेल छैथ ।

 

हुनक शरीरिक अवस्था नीक नइ छै बिगत तीन महिनास’ दिल्लीस’ जनकपुरधैर उपचार होइत आएल छै मुदा विचाओन परस’ उठ नइ सकलाह । मुदा हुनक बोलीमे क्रान्तिकारी छबी ओहिना झलकैत छै ।

 

क्रान्तिनायकसभकेँ ओ स्मरण करैत अस्पतालक शैय्या पर परले परल श्रद्धा सुमन सेहो अर्पण कएलाह । किएक त’ आइ रवि दिन माघ १५ गते अमर शहिद दुर्गानन्द झाके साइठम् बलिदानी दिवस जे छल ।

 

simanchal.com
Photo By-Nagawanshi

 

शहिद झाके पूणर्कदके शालिक बनाक नेपाली जी राखने छैथ । मुदा स्मारक निर्माण हेतु कतहु कोनो उचित ठाम दिअ लेल केओ तैयार नइ भेने स्थापना नइ भरहल छल । आइ ओहि हेतु भूमि व्यवस्था भेल । स्थानीय वार्ड नं.२३ सोनाशती माइ थानलग सिक्स लाइन मीलैत छै ओहिचौक पर शालिक स्थापना हेतु स्मारक निर्माण वास्ते भूमि भूजन कएल गेल ।

 

जनकपुरधामके मेयर मनोज कुमार साह, उपप्रमुख किशोरी साह, धनुषाक्षेत्र नं.३(क)के प्रदेश संसद रामसरोज यादव एवं वार्ड नं.२३के वार्ड अध्यक्ष एवं सर्जक नेपालीके पुत्र राघबेन्द्र प्रसाद साह संयुक्त रुपस’ स्मारक निर्माण हेतु भूमि पुजन करैत पहिल जग बसाबके काज कएलाह ।

 

२०१८ साल माघ ९ गते तात्कालीन तानाशाह राजा महेन्द्र उपर बम प्रहार क’क’ गणतन्त्रके बिगुल फुकबाला १९ वर्षक युवा दुर्गानन्द झा छलाह । २०२० साल पुष १० गतेमे अदालती निणर्य अनुसार ओहि वर्ष माघ-१५ गते २१ वर्ष ९ महिनाके आयुमे क्रान्ति नायक झाके फाँसी देलगेल छल ।

 

simanchal.com
Photo By-Nagawanshi

 

जनकपुरधामस’ १४ किलोमीटर दखिन नेपाल भारत सीमामे अवस्थित धनुषा जिलाके जटही गाममे देवनारायण झा एवं सुकुमारी देवी झाके एकटा मात्र सन्तान क्रान्ति नायक झाके जन्म १९९९ साल बैशाख १४ गते भेल छल ।

 

२०७२ साल फागुन-१९ गते नेपाल सरकार झाके शहिद घोषणा कएलक । २०७३साल अगहन १गतेमे क्रान्ति नायक झाके हुलाक टीकट सेहो प्रकाशन कएलगेल । मुदा स्मार निर्माण हेतु बम प्रहारस्थल जानकी मन्दिर प्राङ्गनमे स्मारक हेतु भूमि भूजन भेला बादो तेहन बितण्डा खाड कएल गेल जे स्मारक निर्माण नइ होब सकल ।

 

आब वर्तमान नगर प्रमुख मनोज कुमार साह सहित राजनीतिक इच्छाशक्ति दृढ राखल लोक समाज सेहो जुड़लाह तैँ आब स्मारक बनत आ ६ फिट १ इन्छके हुनक शालिक खाड़ होएत ओ सुनिश्चित भेल बुझल जाय । !

 

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया