सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । अमर शहिद दुर्गानन्द झाकेँ ५८ बलिदानी दिवस आइ विभिन्न ठाम मनाओलगेल छै । अमरशहिद दुर्गानन्द झा स्मारक निर्माण समितिव्दारा सरस्वतीराज सदन वार्ड नं.३ जनकपुरधाममे राजेश्वर नेपालीके अध्यक्षतामे मनाओलगेल ।
मधेश आन्दोलनकेँ जनकपुरधाममे अगुवाइकर्ता सभव्दारा जनकचौक पर दिपककुमार झाकेँ सभापतित्वमे मनाओल गेल । तहिना अमरशहिद झाकेँ जन्मधर्ती गाम जटहीमे दुर्गानन्द स्मारक स्थल पर सेहो बृहस्पति दिन बलिदानी दिवस मनाओल गेल छै ।
निर्माण समितिव्दारा मनाओल गेल कार्यक्रममे अमरशहिद झाकेँ स्थायी स्टच्यु स्थापना लेल प्रदेश सरकार सेहो सहयोगी बनत, ओहिलेल हम अपनेसभकेँ संग पुरब लेल तैयार छी । ओ प्रतिबद्धता प्रमुख अतिथिके रुपमे प्रदेशसांसद परमेश्वर साह व्यक्त कएलाह ।
शहिदक सपनाके साकार करब हमरसबहक परम कर्तव्य छै । जाहिके पालन इमान्दारीस’ कएल जाय चाही । ताहुमे गणतान्त्रिक नेपालक पहिल बिगुल फूकबाला क्रान्तिनायककेँ प्रतिमा बनल राखल छै,आ विभिन्न जाल-झेलस’ स्थापना नइ कएल जारहल छै । अइबातकेँ जनतब आयोजकद्वारा देलाह पर संसद साह अपन धारना राखैत ‘अइप्रति शिघ्रतास’ पहल करब कराएब आ शालीक स्थापना लेल आर्थिक लगायतक सहयोग समेत करब ओ तोक भरोस सेहो दियौलाह ।
अमर शहिद दुर्गानन्द झा स्मारक निर्माण समितिके अध्यक्ष बरिष्ठ पत्रकार राजेश्वर नेपाली पूणर्कदकेँ स्मार निर्माण कएल वर्षोस’ धयल छै । मुदा शीलान्यास भइयोक जानकी मन्दिर महन्थक दोधारे नीतिक कारण स्थापना स्थल खटाइमे पैरगेला पर काज ठमैकगेल छै,कहलाह । जनकपुरधाम उप-महानगरपालिका सेहो कतहु कोनो स्थान उपलब्द्ध नइ कराब सकल छै । सुरक्षित स्थान अभावे प्रतिमा स्थापना नइ हुअ सैक रहल छै ओ व्यथा अध्यक्ष साह कार्यक्रममे सहभागीसभकेँ सुनौलाह ।
कार्यक्रममे बिशेष अतिथिक रुपमे पूर्वसंसद महेन्द्र यादव ‘शहिदकेँ नाममे राजनीतिक नइ हुअ चाही । शहादतिक कारणे हमसभ आइ लोकतन्त्र गणतन्त्रकेँ अनुभूति कपाबैत छी । मुदा ओहे शहदति सपुतकेँ एकटा स्मारक लेल देल जग्गह लोक छीन लैत छै अइस’ बेसी आओर कि नालायकीपन होएत’ अपन धारना राखैत कहलाह ।
निरंकुशतानाशाही व्यवस्थाकेँ अन्त कए गणतान्त्रीक देश नेपाल होओ ओहि अभिप्रायस’ एकटा युवक अपन वीरता दखैने छलाह २० वर्ष जतेक उमेरके ओ युवक दुर्गानन्द झा २०१८ साल माघ ९गते तत्कालीन राजा महेन्द्र शाह उपर जानकी मन्दिर प्राङ्गनमे बम प्रहार कए गणतान्त्रिक नेपालक सुरुवाती बिगुल फूकब काज कएने छलाह । बम प्रहार कए ओ बाँचमे सफल भगेलाह मुदा ओहि आरोपमे ५९ गोटे निर्दोष धरागेल छल । तेकराबाद दुर्गानन्द झा सीमापारस’ आइबक आत्म सम्पणर् कएलाह ।
धनुषा जटही गाम निवासी अमरशहिद झाकेँ २०२० साल माघ-१५गते, नेपालके राजधानी काठमाण्डौमे मृत्युदण्ड देलगेल छल । ओहि समयमे ब्राह्मणके मृत्युदण्ड नइ दिअके प्रथा नइ छल । ओहि परम्पराकेँ भंग करैत राजाके आदेश पर कानुन संशोधन कए फंसरी पर चढ़ाक मृत्यु दण्ड देलगेल छल । अधक्षीय मनतव्य दैत बरिष्ठ पत्रकार नेपाली बजलाह ।
अमर शहिद झाकेँप्रति श्रद्धा-सुमन अर्पण करब हेतु रामहृदय प्रसाद, श्रीचन्द साह, रामगोविन्द यादव, राजनन्दन प्रसाद साह, श्रीनारायण साह, सरोजकुमार यादव, पञ्चलाल दास, रघुनाथ महतो, साकेन्द्रकुमार मण्डल, कमल साह सहितक लोक सामेल छलाह ।
अहितरहे मधेश जनबिद्रोह-२०६३के अगुवा दीपककुमार झाके अध्यक्षतामे एवं अरविन्दकुमार यादवके समन्वयमे जनकपुरधामक जनकचौक पर अमरशहिद दुर्गानन्द झाकेँ अन्ठाबनम् बलिदानी दिवस मनाओलगेल छै । दीपक झा, इन्द्रकुमार झा ‘मधेशानन्द’, दिनेश पूर्वे, नरेश यादव, स्वामी भरत राय, डा.अरुणकुमार झा सहितक सहभागी युवासभ प्रमुख वक्ताके रुपमे अपन अपन धारना रखलाह ।
‘शहिद झाकेँ स्मारक जतै राजा पर बम प्रहार कएलगेल ओहि स्थल पर बनक चाही’ अपन अपन धारना राखैत सभ कहलाह । हमसभ अहि लेल कठोरस’कठोर आन्दोलन करब हेतु तैयर छी जानकी मन्दिर ककरो बतौती नइ छै । संउसे जनकपरीयाकेँ छै देशके छै । आ शहिदकेँ सपना पुरा करब लेल शहादति स्थल शहिदकेँ शालिक राखब लेल भेटक चाही ताहि विषय पर सभ बल देलक ।
अहितरहें धनुषाकेँ नगराइन नगरपालिका अन्तर्गत जटहीमे दुर्गानन्द झा प्रवेशद्वार लग शहिद स्मृति दिवस मनाओल गेल जनतब भेटल मुदा बिस्तृत बिरण नइ प्राप्त हुअ सकल अइ । सम्पूर्ण चित्रः नागवंशी/सीमाञ्चल
प्रतिक्रिया