सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । जनता समाजवादी दलस’ बहरएला पछाइत मधेशवादी महिला नेत्री सरिता गिरी जनजागरुकता लाबमे सक्रिय भेलीह । मधेश आ मधेशीके राजनीतिक भविष्य सुरक्षित लेल सेहो आँइख खोलब तेकर दरकार छै । ओइ बातकेँ गम्भिरतास’ लैत आब ओ गाम-गाम नगर-नगर जाक’ जागरुकता लाबके लेल निकैल परलीह ।
अहि क्रममेमे ‘‘मधेश आ मधेशीके भावी भविष्य तथा राजनीतिक दशा’’ बारेमे सर्लाही सदरमुकाम मलङवामे अपन सहयोगी शुभचिन्तक सभ जौरे अन्तरकृया कएलगेल छै । अन्तरकृया कार्यक्रममे विशिष्ट अतिथिके रुपमे कार्यक्रममे ओ सहभागी छलीह ।
पूर्वमन्त्री समेत रहि चुकल सरिता गिरी सम्पन्न अन्तरकृयामे ‘‘मधेश आ मधेशीके मुद्दा अखनो मुद्दे छै । सबाल फेर ओतै आइबक ठमकल छै जतहस’ मधेशबादके बीज पुरुष स्वर्गिय गजेन्द्रनारायण सिंह शुरु कएने छलाह ’’ ।
‘‘ मधेशीके ठकहा बर्चश्ववादी खशवादी दल त’ आइ धैर ठकबे कएलकै । मधेशवादी कहाबबाला नेता, दल सेहो ओकरास’ रत्ति भर कम नइ ठकने छै । अखनुका लोकतन्त्रमे अपनेलोकस’ अपने लोक ठकाइत छै, पेड़ाइत छै, आ मधेश बदनाम होइछै मधेश कधेशीकेँ नाम गन्हाइत जारहल छै । अइसभस’ पट्टी खोल पड़त । के हितकारी के अहितकारी चिन्हित कर पड़त’’, नेत्री गिरी कहलीह ।
अपन-अपनाके हित नइ बरु समग्र मधेश आ मधेशीके हित कोना आ केकरास’ होएत आ मधेश सुरक्षित होएत रहत ओइ दिस ध्यान दिअ लेल सहभागि सभकेँ आग्रह करैत नेत्री गिरी सभकेँ सजग सर्तक आ तटस्त रहब लेल प्रेरित कहलीह ।
शनिदिन भेल कार्यक्रमके अध्यक्षता सर्लाहीके वरिष्ठ राजनितीज्ञ क्रान्तिकारी विचारक साहित्यकार हृदयनारायण चौधरी कएने छलाह । ओहि जन जागरुकता अभियानी कार्यक्रममे विभिन्न क्षेत्रके बुद्धिजीवी, समाजसेवी आ परिवर्तनकारी पक्षधर युवासभ एवं समाजसेवी रितेश सिंह सेहो सामेल छलाह ओ जनतब चौधरी सीमाञ्चल समदियाके देलाह !
प्रतिक्रिया