अनेरुवा माल-जालस’ उपमहानपाकेँ अढ़ाइ लाख आम्दानी

२०८० कार्तिक २०, सोमबार २१:३०
सीमाञ्चल समदिया
simanchal

  • 2
    Shares
simanchal
मेयर मनोजकुमार साह

 

जनकपुरधाम । जनकपुरधाम उपमहानगर पालिकाके कमान सम्हारला पछाइत मेयर मनोजकुमार साह सरसफाई एवं चौपाया जानवरकेँ नियन्त्रण पर बेसी जोर देलाह ।

 

नगरमे चौपाया जानवर गायी-बच्छा-बाच्छी, भैंसी, परु, साँढ़, सुगर,बकरी-खस्सी, कुकूर,घोड़ा जेहन चौपाया पशुस’ नगरमे ट्राफिक सेहो जाम भजाइत छल । ई अनेरुवा पशुसभ हगल-मुतलस’ सड़क बाट घिना जाइत छल ।

 

एहि समस्याके निकास हेतु मेयर साह स्थानीय वार्ड नं.१२ कुवा गाम स्थित सार्वजनिक जग्गहमे गौशाला बनौलाह । अनेरुवा मालजालके पकैरक ओहिमे राखब काज करए लगलाह । आब सडक पर तेहन अनेरे घूमेत चौपाया पशु नहिए जकाँ देखाइत छै ।

 

मेयर साहके एहि काजस’ अतिक्रमित होइत बहुमूल्य जग्गह कब्जामे आएल पशुसभकेँ सड़क पर छोड़ब काजमे लापरवाह लोक सजग भेल आ बेपरवाहसभकेँ दण्ड जुरमाना सेहो असुल उपर करब काज होब लागल जाहिस’ आर्थिक लाभ सेहो उपमहानपा करहल छै ।

 

एहे वर्ष बितल साओनस’ कातिक-१५गतेधैर पोसुवा मालजालकेँ सडक-बाट पर छोड़ला पर ओहन मालजालके पकैरक गौशालामे राखल गेल । जाहिस’ पशुधनिसब दण्ड जुरमाना बुझाक मालजाल छोराक लजाएब काज कएलक ।

 

एहि काजस’ मात्र ४ महिनामे उपमहानपाकेँ २ लाख ५० हजार टाका राजश्व असुली भेल छै । से जनतब मेयर साह सीमाञ्चल समदियाकेँ देलाह ।
दूधारु, गाभिन पशुकेँ लोक जुरुमाना बुझाक लजाइत छै मुदा बूढ़, दूध नइ दिअबाला गाय भैसीकेँ लाृेक छोराक नइ लजाइत छै ।

 

तेहन गायमात्र आधासय गौशालामे छै । जे अवस्था अनुसार खाइत पोशाइत मरबे करतै । मुदा नगरवासी एहन पशुके लजाओ से आग्रह करैत छैथ । अपन नगरके सडक पर गोबर-गोबर होबस’ फोहर बाट होबस’ बचाबमे नगरवासीयोके ओतेबे दायित्व होइत छै ।

 

मात्र माल जाल पोशली दूध दीहक बेचली टाका कमौली आ दूधारु नइ रहला पर सड़क-बाट पर अनेरुवा छोइर देलीह एहन गैरजिम्मेवारी काज नइ होबक चाही सेहो धारणा मेयर साह रखलाह ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

Ramsish das _Bivek das
पीडि़त दासके पीड़ा बढ़ल,अपहरणकारीकेँ धनुषा प्रहरी नइ धयलक
२०८० कार्तिक २१, मंगलवार १६:२१
सीमाञ्चल समदिया
मिथिलाभूमिमे मधेशवादी कम्युनिष्ट
मिथिलाभूमिमे मधेशवादी कम्युनिष्ट पार्ट्री गठन
२०८० कार्तिक २०, सोमबार १३:१४
सीमाञ्चल समदिया
Nayayik samiti Jnk
सामाजिक दायित्व पुरा करैत न्यायिक समिति
२०८० आश्विन ३०, मंगलवार १७:५४
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
सामाजिक दायित्व वोधक नेपालीप्रति काव्यात्मक श्रध्दाञ्जलि
२०८० आश्विन २१, आईतवार २०:३५
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
सुरक्षित-संरक्षित आ शुभकारी जीवनलेल अहिंसक बनु
२०८० आश्विन १६, मंगलवार २१:२०
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
मेयर साहके बात इन्द्रदेव सुनलक
२०८० आश्विन १३, शनिबार १७:५६
सीमाञ्चल समदिया