जनकपुरधाम । परसु अगहन-४गते शुक्र दिन होबबाला प्रतिनिधिसभा एवं प्रदेशसभाके निर्वाचन लेल सबटा तैयारी पुरा भेल छै । निर्वाचन हेतु मतपत्रसभ सेहो सम्बन्धित मतदान अधिकृतके जिम्मामे लगाओल जाचुकल छै । ओसभ अपन-अपन मतदान केन्द्र स्थलदिश प्रस्थान क’ चुकल छैथ ओहो जनतब निर्वाचन अधिकृतके कार्यालयस’ भेटल ।
मधेशप्रदेश निर्वाचन कार्यालयस’ भेटल जनतब अनुसार मधेश प्रदेशभैरमे ४ हजार २ सय ३५ टा मतदान केन्द्र निर्धारण कएलगेल छै । प्रतेक मतदान केन्द्रमे आठ/आठटा कर्मचारी खटाओलगेल छै । आठ गोटमे एकगोटे मतदान अधिकृत एकगोटा सहायक मतदान अधिकृत, ५ गोटे सहयोगी, एकगोटे कार्यालय सयोगीरुपमे कार्य विभाजन कएलगेल कर्मचारी खटाओलगेल छै ।
मतदान होबबाला दिनमे मतदाता संख्याके आधारमे प्रतेक मतदानकेन्द्र लेल मतदान अधिकृत अपन सुविधालेल ३/४ गोटे स्वयंसेवक खटाब सकैए ओहो अधिकार देलगेल छै । एहन जनतब प्रदेश निर्वाचन कार्यालयके प्रमुख श्रीधर पन्थी पत्रकारसभकेँ देने छैथ ।
मधेश प्रदेशमे कूल ३३ लाख ८६ हजार ६ सय २८ मतदाता मतदान करब योग्य सूचीबद्ध छै । एहि कूलसंख्या मध्ये १८ लाख २७ हजार ८ सय ५४ गोटे पुरुष एवं १५ लाख ५८ हजार ७ सय ४ गोटे महिला ,अन्य लिंगिक ७० गोटे मतदाता रहल छैथ ।
प्रदेशमे २ हजार १ सय ५६ मतदानस्थलमे ४ हजार २ सय ३५ मतदानकेन्द्रपर अगहन-४ गते मतदान होएत । प्रदेश भैरमे सुरक्षार्थ हेतु १२ हजार ९ सय ६५ नेपाल प्रहरी(जनपथ), २४ हजार ४३ म्यादी प्रहरी, खटाओल गेल छै । मधेश प्रदेश प्रहरी कार्यालयके प्रवक्ता एसपी सुमनकुमार तिम्लिसिना जनौने छैथ । हुनका अनुसार सार्वाधिक सुरक्षाकर्मी धनुषा एवं सबस’ कम पर्सा जिलामे परिचालन कएलगेल छै ।
धनुषा जिला—
जिलागत रुपमे धनुषा जिलामे ६०५ टा मतदान केन्द्र कायम कएलगेल छै । धनुषामे छओसय पाँच मतदानकेन्द्र हेतु ८ सय ४० टा कर्मचारीके खटाओल गेल छै । सुरक्षा हेतु धनुषामे ३ हजार ८ सय ६६ गाटे सुरक्षकमीृ खटाओल गेल छै ।
धनुषा जिलाभैरमे कूल ४ लाख ७४ हजार ५ सय ८७ मतदातारहल छैथ । एहि संख्या मादे २ लाख ५२ हजार ९ सय १५ गोटे पुरुष मतदाता एवं २ लाख २१ हजार ६ सय ६छ महिला मतदाताके संख्या छै । अन्य श्रेणिके ७ गोटे मतदाता सेहो छै ।
महोत्तरी जिला—
एहितरहें महोत्तरी जिलामे कूल ३ लाख ९७ हजार ३० मतदाता छै । जाहिमे पुरुषके संख्या-२ लाख १५ हजार १ सय ३१ छै एवं महिला मतदाताके संख्या १ लाख ८१ हजार८ सय ९८ आ अन्य लिंगिक मतदाता एकगोटे छै । ४ सय ९९ मतदान केन्द्र हेतु महोत्तरी जिलामे ३ हजार ९ सय ९२ कर्मचारीके खटाओल गेल छै । सुरक्षा हेतु म्यादी एवं नेपाल प्रहरी सहित २ हजार ८ सय १ गोटे ।
सिरहा जिला—
सिरहा जिलामे ५सय ५ मतदान केन्द्र लेल ४ हजार ४० कर्मचारी खटाओलगेल छै । सिरहामे कूल मतदाता-४लाख २२ हजार ७ सय १२ रहल छैथ । एहि मध्ये पुरुष मतदाताके संख्या-२ लाख, २४ हजार ९९ छै । तहिना महिला मतदाताके संख्या-९८ हजार ६ सय ११ एवं अन्य २ गोटे रहल छैथ । सिरहा जिलाभैरमे सुरक्ष हेतु २ हजार ८ सय९ गोटे सुरक्षाकर्मीकेँ खटाओल गेल छै ।
सप्तरी जिला—
सप्तरी जिलामे ५ सय ३६मतदानकेन्द्र कायम कएलगेल छै । जाहि लेल ४ हजार २ सय ८८ कर्मचारी खटाओलगेल छै । सप्तरी जिलामे कूल मतदाता-४लाख १८ हजार ३ सय ७४ रहल छैथ ।
एहि उल्लेखित मतदाता संख्या मध्ये पुरुष -२ लाख, १७ हजार २ सय ८२ छै एवं महिला मतदाताके संख्या-२ लाख १ हजार ७१ एवं अन्य लिंगिकके संख्या २१ छै । सप्तरी जिलामे निर्वाचन सुरक्षा हेतु ३ हजार २ सय ७८ गोटे सुरक्षाकर्मी परिचालन कएलगेल छै ।
सर्लाही जिला—
सर्लाही जिला अन्तर्गतमे कूल मतदाता ६ सय मतदान केन्द्र छै । जाहिलेल ४ हजार ८ सय कर्मचारी खटाओलगेल छै । सर्लाहीमे कूल-४ लाख ९७ हजार ३८ मतदाता छैथ । जाहि मध्ये पुरुष मतदाताके संख्या-२ लाख, ५९हजार ४ सय १४ एवं २ लाख १९ हजार६ सय १४ महिला एवं अन्य लिंगके १० गोटे मतदाता रहल छैथ । निर्वाचन शन्तिपूर्ण एव भय रहित वातावरणमे सम्मपन्न कराब लेल ३ हजार ३ सय ७ गोटे सुरक्षाकर्मी सर्लाही जिलामे खटाओल गेल छै ।
रौतहट जिला—
रौतहट जिलामे ५ सय २३ मतदानकेन्द्र कायम कएलगेल छै । जाहि हेतु ४ हजार १ सय ८४ कर्मचारीके कार्यमे लगाअेल गेल छै । रौतहटमे ४ लाख १५ हजार ४ सय ५५ गोटे मतदाता रहल छै ।
एहि मादे २ लाख २७ हजार २ सय २९ गोटे पुरुष एवं १ लाख ८८ हजार २ सय ५५ महिला आ १ गोटे अन्य लिंगिक मतदाता रहल छैथ । रौतहट जिलामे निर्वाचन सुरक्षालेल २ हजार ९ सय ३९ गोटे सुरक्षाकर्मी परिचालन कएलगेल छै ।
बारा जिला—
तराईक्षेत्रके बारा जिलामे ५ सय ५५ मतदान केन्द्र कायम कएलगेल छै । जाहिमे ४ हजार ४ सय ४० कर्मचारीके मतदानमे खटाओल गेल बात बुझएमे आएल । बारा जिलामे कूल ४ लाख ३३ हजार ५ सय ४ गोटे मतदाता रहल छैथ ।
२ लाख ३६ हजार ८ सय ८० गोटे पुरुष एवं १ लाख ९६ हजार ६ सय १२ महिला एवं १२ गोटे अन्य लिंगिक मतदाता रहल छैथ । बारा जिलामे सुरक्षार्थ ३ हजार १ सय ४४ गोटे खटाओलगेल छै ।
पर्सा जिला—
तराईक्षेत्रका मधेश प्रदेशको पर्सा जिलामा ४ सय १२ टा मतदान केन्द्र कायम कएल गेल छै । जाहिमे निर्वाचन सम्पन्न कराब लेल ३ हजार २ सय ९६ कर्मचारी खटाओल गेल छै । पर्सा जिलामे एहिबेर मतदान करब जोकर कूल ३ लाख ४५ हजार ९ सय २८ मतदाता सूचीबद्ध रहल छैथ ।
जाहि मादे १ लाख ९४ हजार ९ सय ४ पुरुष एवं १ लाख ५१ हजार ८ महिला, आं १६ अन्य लिंगि मतदाता रहल छैथ । वारा जिलामे म्यादी प्रहरी एवं नेपाल प्रहरी सहित २ हजार ७ गोटे सुरक्षाकर्मी खटाओल गेल छै ।
प्रतिक्रिया