सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । स्थानीय प्रशासन एवं एतुका समाजिकक्षेत्रमे क्रियाशील युवा कमिटीसबके प्रतिनिधि बीच भेल सहमति अनुसार अइबेर दशैंमे काटमारबाला प्रथा पर बिराम लागत । तेहन प्रशासनीक सहमति भेल छै ।
आगामी कातिक १गतेस’ विजय दशमीके पर्व शुरु भरहल छै । कोरोना महामारीकेँ ओजहस’ स्थानीय शक्ति पुञ्जसभमे समान्य पुजा पाठ मात्र कएल जाए । भीड़भाड़ लगाबके काज नइ कएल जाएत । समाजिक दूरीके पालना करैत बोकाबली( झागर-खस्सी)को बलि प्रदान जेहन कार्य नइ कएल जाए । ताहि पर सहमति सहभागी युवा कमिटीसभको प्रतिनिधिसभ सेहो जनौलक अइ ।
जिला प्रशासन कार्यालय धनुषा सोमदिन जारी कएने सूचनामे -‘‘ २०७७ सालकेँ विजय दशमी पर्वमे धनुषा जिला भितरके समपूर्ण मठ मन्दिरमे बोकाबली नइ चढाओल जाए । कोनो तरहकेँ भिड़भार होए ओहन क्रियाक्लाप नइ कएल जाए । प्रथा , परम्परा निमाहब लेल संक्षिप्त क्षमा पुजा कएल जाए । ’’
जिलास्तरके राजनीतिक दलके प्रतिनिधि, प्रदेशसभा सदस्य, सुरक्षा निकायकेँ प्रमुख, नगरपालिका प्रतिनिधि,गुठी संस्थान एवं विभिन्न क्लव कमिटीकेँ प्रतिनिधिसभबीच सहमति बनल छै । अहि अनुसार सम्पूर्ण नगरवासी दशैके विधि विधान पुरा करए ओ आग्रह स्थानीय प्रशासन कएने छै ।एहन निर्णय भेल जनतब महावीर युवा कमटिीकेँ अध्यक्ष सन्तोष साह सेहो देलाह ।
प्रतिक्रिया